प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीद्वारा शान्तिपूर्ण निर्वाचनमे सहयोग कएने कहैत एमालेप्रति आभार प्रकट


काठमाण्डू, ४ चैतः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की निर्वाचन शान्तिपूर्ण रूपमे सम्पन्न करबाक लेल सहयोग कएने कहैत नेकपा (एमाले)केँ धन्यवाद देलैन अइछ । प्रधानमन्त्री कार्की धन्यवाद ज्ञापन करबाक लेल एमाले नेतृत्वकेँ मङ्गलदिन बालुवाटार आमन्त्रण कएने छलैन । प्रधानमन्त्रीके निजी सचिवालय अनुसार एमाले नेतासभ ईश्वर पोखरेल, प्रदीप ज्ञवाली आ महेश बर्तौला बालुवाटार आएल छलैन ।

प्रधानमन्त्री कार्की शान्तिपूर्ण वातावरणमे निर्वाचन सफल बनेबाक लेल भूमिका निर्वाह कएने कहैत धन्यवाद देलैन । ओ कहलैन, “अइ कठिन अवस्थाकेँ शान्तिपूर्ण रूपमे निकास देबाक एक मात्रे विकल्प निर्वाचन छलै । राष्ट्रप्रतिके जिमेवारी बुइझ क अहाँसभ जे सहयोगी भूमिका निर्वाह केलौँ आ निर्वाचनमे सक्रिय सहभागिता जनेलौँ ओइ लेल धन्यवाद अइछ ।” निर्वाचनमे जीत–हार होबाक कारण एक बेरके जनादेशसँ विचलित नै होबाक लेल कहैत एमाले नेतृत्वकेँ प्रधानमन्त्री कार्की सान्त्वना सेहो देलैन ।

एमाले नेतासभ सेहो सब पक्षके समैट क शान्तिपूर्ण रूपमे निर्वाचन सम्पन्न कराैने कहैत प्रधानमन्त्री कार्की आ हुनक नेतृत्वक सरकारकेँ बधाइ देलैन । देशकेँ कठिन समयमे नेतृत्व प्रदान क सर्वस्वीकार्य, शान्तिपूर्ण आ लोकतान्त्रिक निकास देने कहैत ओसभ धन्यवाद देलैन ।

ओसभ अइ बेरक निर्वाचनमे प्रशासनक निष्पक्षता रहल कहैत सरकारके प्रशंसा सेहो केलैन । तहिना, अइ बेरक चुनावी अभियान पहिलेसँ बेसी स्वच्छ, शान्तिपूर्ण आ कम खर्चबला भेल अनुभव सेहो सुनौने छलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय