समानुपातिकदिस निर्वाचित सांसदकेँ आइ प्रमाणपत्र देल जाएत


काठमाण्डू, ५ चैतः बितल फागुन २१ गते सम्पन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनअन्तर्गत समानुपातिकदिस निर्वाचित १ सओ १० सांसदकेँ आइ प्रमाणपत्र प्रदान कएल जाएत ।

निर्वाचन आयोगक सहायक प्रवक्ता कुल बहादुर जिसी कानुनमे निर्धारित ‘क्लस्टर’ अनुसार समानुपातिकदिस निर्वाचित सांसदकेँ आइ आयोगक कार्यालयमे प्रमाणपत्र प्रदान कएल जेबाक बतौलैन ।

समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिस राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी ५७, नेपाली कांग्रेस २०, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) १६, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा) नौ, श्रम संस्कृति पार्टी चाइर आ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी चाइर सिट प्राप्त कएने अइछ ।

जमा २ सओ ७५ सदस्यीय प्रतिनिधि सभामे प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीमार्फत १ सओ ६५ आ समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीमार्फत १ सओ १० गोटे निर्वाचित होबाक व्यवस्था अइछ । समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिसक उम्मेदवारकेँ प्रमाणपत्र वितरण कएलाक बाद अइ बेरक निर्वाचन प्रक्रिया पूरा हएत । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय