श्रम स्वीकृति लेलाक बाद विदेशी खेलाड़ी खेला सकत


काठमाण्डू, ५ चैतः अध्यागमन विभाग अखिल नेपाल फुटबल सङ्घ (एन्फा) केँ कोनो खेलमे विदेशी खेलाड़ीकेँ समावेश करेलापर सहमति आ श्रम स्वीकृति ल क मात्रे सहभागी करेबाक आग्रह अइछ ।

अध्यागमन विभाग आइ प्रेस विज्ञप्ति सार्वजनिक करैत एन्फाद्वारा सञ्चालित राष्ट्रिय महिला/पुरुष लिग फुटबल प्रतियोगितामे सहभागी भेल फुट्बल क्लबसभ पर्यटक भिसा लेने विभिन्न विदेशी खेलाड़ीसभकेँ मात्रे समावेश करेबाक आग्रह केलक अइछ ।

एन्फाद्वारा सञ्चालित राष्ट्रिय महिला/पुरुष लिग फुटबल खेलमे सहभागी फुटबल क्लबसभ पर्यटक भिसा ल चुकल विदेशी खेलाड़ीकेँ सेहो समावेश कएल जाए से व्यहोराके उजुरी अइ विभागमे प्राप्त भेल अइछ । तसर्थ कोनो खेलमे विदेशी खेलाड़ीसभकेँ समावेश करेलापर नियमानुसार कार्य सहमति आ श्रम स्वीकृति ल क मात्रे सहभागी करेबाक आग्रह अइछ ।

विभाग अइ विषयमे आइसँ अनुगमन प्रारम्भ कएने जनौलक अइछ । स्वीकृति नै रहल विदेशी खेलाड़ीसभ भिसाके उद्देश्य विपरीत कोनो खेलमे सहभागी भेल तँ तत्काल कारबाही करबाक विज्ञप्तिमे जनौलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय