बैङ्किङ कसुरके फरार प्रतिवादी गिरफ्तार


सिरहा, ८ चैतः लेनदेन तथा बैङ्किङ कसुर मुद्दामे अदालतसँ दोषी ठहर भ फरार भेल दू गोटेकेँ सिरहा प्रहरी गिरफ्तार केलक अइछ ।

जिला प्रहरी कार्यालय सिरहा अनुसार लेनदेन बिगो मुद्दामे सिरहा जिला अदालत २०७९ साल माघ १७ गते दू वर्ष कैद सजाय सुनौने ४५ वर्षक रामजनम यादवके गिरफ्तार कएल गेल अइछ । सिरहाके कल्याणपुर नगरपालिका–१० निवासी यादवकेँ विष्णुपुर गाउँपालिका–१ स्थित स्वास्थ्य चौकी लग नास्ता खाए लागल समय शुक्रदिन गिरफ्तार कएल गेल प्रहरी नायब उपरीक्षक रमेश बहादुर पाल जानकारी देलैन ।

तहिना, इलाका प्रहरी कार्यालय धनगढीसँ खटल टोली बैङ्किङ कसुर मुद्दाके फरार प्रतिवादी करिब ४० वर्षक प्रमोद साहकेँ सेहो गिरफ्तार केलक अइछ । जिला अदालतके २०७९ साल पुस २९ गतेके फैसलाअनुसार खोजीमे रहल धनगढीमाई नगरपालिका–९, गोठचौक निवासी साहकेँ अपने घरमे नुकाएल अवस्थामे गिरफ्तार कएल गेल प्रहरी जनौलक अइछ ।

प्रहरी अनुसार गिरफ्तार कएल गेल दूनु गोटेकेँ जिला प्रहरी कार्यालयमे राइख थप अनुसन्धान प्रक्रिया आगु बढ़ाएल गेल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय