‘फ्लोरा एक्स्पो’: एक करोड़ २२ लाख टकासँ बेसीके कारोबार


काठमाण्डू, ९ चैतः पुष्प व्यवसाय प्रवर्द्धन करबाक उद्देश्यसहित आयोजन कएल गेल २७म फ्लोरा एक्स्पो एक करोड़ २२ लाख रुपैयाँ बेसीके कारोबार केलक अइछ । चाइर दिनधैर सञ्चालन भेल मेलामे दर्शकके उल्लेखनीय सहभागिता रहल मेला संयोजक तथा फ्लोरिकल्चर एसोसिएसन नेपालक वरिष्ठ उपाध्यक्ष राम बहादुर तामाङ जानकारी देलैन ।

‘स्वच्छ वातावरण, रोजगारी तथा आर्थिक समृद्धिके लेल पुष्प व्यवसाय’ मूल नारासहित इएह चैत ५ गतेसँ मेला सुरु भेल छल । मेला कुल ६० हजार ७ सओ गोटे अवलोकन कएने छल । मेलामे व्यावसायिक ६५, अफिसियल ११, प्रतिस्पर्धात्मक दू स्टल छल । पुष्प व्यवसायमे आठ अरब ८३ करोड़ टकासँ बेसी लगानी रहल आ करिब ५३ हजार ५ सओसँ बेसी प्रत्यक्ष तथा अप्रत्यक्ष रूपमे रोजगारी प्राप्त कएने बताओल गेल अइछ ।

बितल आर्थिक वर्षमे २७ करोड़ ७९ लाख टका बराबरके पुष्प तथा पुष्पजन्य वस्तु आयात कएल छल, तँ अइ साल ५४ दशमलव २७ प्रतिशतसँ घइट क १२ करोड़ ७० लाख टकामे सीमित भेल भंसार विभागक तथ्याङ्कमे अइछ । तहिना, निर्यातदिस एक सओ नौ दशमलव १६ प्रतिशतसँ वृद्धि भ दू करोड़ १३ लाख टका पहुँचल एसोसिएसन अध्यक्ष राजेशभक्त श्रेष्ठ जानकारी देलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय