वीरगन्ज (पर्सा), ११ चैतः चालु आर्थिक वर्षके पहिल सात महिनामे एक खरब २३ अरब ६७ करोड़ टका बराबरके पेट्रोलियम पदार्थ आयात कएल गेल अइछ । वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके अनुसार बितल आर्थिक वर्षके ओइ अवधिके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षमे इन्धन आयात बढ़ल अइछ ।
पेट्रोलियम पदार्थके आयातसँ ५२ अरब १५ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल अइछ । तहिना, ६३ अरब ६५ करोड़ टका बराबरके सात लाख दू हजार ३ सओ लिटर डिजेल आयात कएल गेल अइछ । ओएह अवधिमे २५ अरब ३० करोड़ टका बराबरके दू लाख ९० हजार ३ सओ ८२ लिटर पेट्रोल आ २० अरब ८५ करोड़ टका बराबरके २० करोड़ २८ लाख २० हजार ९ सओ ३२ किलो एलपी ग्यास आयात कएल गेल अइछ । रासस





