काठमाण्डू, १६ चैतः मन्त्रिपरिषदके बैसारसँ स्वीृकत सरकारक शासकीय सुधारसम्बन्धी एक सओ कार्यसूचीकेँ स्वागत करैत ‘राष्ट्रिय परीक्षा बोर्ड कर्मचारी युनियन’ भङ्ग कएल गेल अइछ ।
युनियनक अध्यक्ष राजु ओलियाद्वारा रैबदिन जारी सूचनामे मन्त्रिपरिषदक चैत १३ गतेके बैसारसँ स्वीकृत शासकीय सुधारसम्बन्धी एक सओ कार्यसूचीमध्ये (ख) के (उल्लेखित प्रशासनिक सुधार, पुनर्संरचना आ मितव्ययिता) बिन्दु नं. १२ मे उल्लेख भेल बमोजिम निर्णयकेँ स्वागत करैत अइ कार्यालयमे गठित राष्ट्रिय परीक्षा बोर्ड, कर्मचारी युनियन मिति २०८२ चैत १५ गतेसँ भङ्ग कएल गेल जानकारी देल गेल अइछ ।
शासकीय सुधारक १२ नम्बर बिन्दुमे ‘सार्वजनिक प्रशासनकेँ पूर्णतः राजनीतिक हस्तक्षेपसँ मुक्त करैत निष्पक्ष, तटस्थ आ नागरिकप्रति उत्तरदायी बनेबाक’ कहल गेल अइछ । सरकारक उक्त उद्देश्यके लेल निजामती कर्मचारी, शिक्षक, प्राध्यापक तथा सब राष्ट्रसेवक कोनो दल, समूह या स्वार्थ केन्द्रसँ प्रत्यक्ष या अप्रत्यक्ष आबद्धतासँ मुक्त भ कार्यसम्पादन करबाक लेल अनिवार्य कएल गेल अइछ, तँ उल्लङ्घन भेलापर प्रचलित कानुनबमोजिम कड़ाइसँ विभागीय कारबाही करबाक उल्लेख अइछ ।
तहिना, सार्वजनिक प्रशासनमे दलीय ट्रेड युनियन खारेज क अवाञ्छित हस्तक्षेप आ अनौपचारिक दबाबके अन्त्य करैत निर्णय प्रक्रिया तथा सेवा प्रवाहकेँ प्रभावकारी बनेबाक लेल आवश्यक कानुनी व्यवस्था विशेषतः सङ्घीय निजामती सेवा विधेयक ४५ दिनमे तर्जुमा करबाक सरकारक कहब अइछ । रासस





