राससके कार्यकारी अध्यक्ष झाद्वारा राजीनामा


काठमाण्डू, १७ चैतः राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) के कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा पदसँ राजीनामा देलैन अइछ । सोमदिन सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री डा. विक्रम तिमिल्सिनासमक्ष ओ राजीनामा देलैन ।

देशक परिवर्तित राजनीतिक परिवेशकेँ आत्मसात करैत नवगठित सरकारकेँ काज करबाक लेल सहज होए तइ उद्देश्यसँ हम नैतिकताके आधारमे राजीनामा देने कार्यकारी अध्यक्ष झाद्वारा पेस कएल गेल राजीनामा पत्रमे उल्लेख अइछ ।

वि.सं. २०७९ असार ६ गते तत्कालीन सरकारके मन्त्रिपरिषद बैसारक निर्णयअनुसार झाकेँ चाइर सालके लेल कार्यकारी अध्यक्षमे नियुक्त कएल गेल छल ।

कार्यकारी अध्यक्ष झा मन्त्री डा. तिमिल्सिनासमक्ष अपन कार्यकालमे कएल गेल काजसहितक प्रतिवेदन सेहो पेस केलैन । प्रतिवेदनमे संस्थागत सुधार, सेवा विस्तार तथा व्यवस्थापन सुदृढ़ीकरणलगायत पक्षमे कएल गेल प्रगति उल्लेख अइछ । ओइ अवधिमे केन्द्रीय कार्यालयके पुनः संरचना, एकीकृत समाचार कक्ष सञ्चालन, बहुभाषिक समाचार सेवा विस्तार, डिजिटल प्रणालीमार्फत सेवा प्रवाह, प्रशासनिक सुधारलगायत काज कएल गेल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ ।

अपन कार्याकालमे समाचारक अतिरिक्त आलेख, तस्बिर आ श्रव्य–दृश्य (भिडियो) सेवाके प्रभावकारी सुरुआत करबाक सङे वि.सं. २०८१ भादब १७ गतेसँ २४ ओ घण्टा नेपाली समाचार सेवा प्रारम्भ कएल गेल झा अपन प्रतिवेदनमे उल्लेख कएने छैथ ।

सेवा विविधीकरणअन्तर्गत मैथिली, नेपाल भाषा आ अवधीसहित तीन मातृभाषा सेवा सञ्चालन, कार्यालयके भौतिक सुधार तथा निर्माणअन्तर्गत चितवनक भरतपुरमे राष्ट्रिय तालिम केन्द्र भवन निर्माण अन्तिम चरणमे पहुँचल, धनगढीमे प्रदेश सरकारक सहयोगमे सुदूरपश्चिम सञ्चार विकास केन्द्र निर्माणक प्रक्रिया आगु बढ़ल आ प्रदेश तथा जिलामे रहल कार्यालयके स्तरोन्नति कएल गेल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ ।

तहिना, संस्थाक इतिहास दस्तावेजीकरण करबाक सङे वि.सं. २०८१ साओन ३२ सँ ‘रासस मिडिया सङ्ग्रहालय’ सञ्चालनमे आनल गेल अइछ, तँ राससकेँ सरकारी समाचार एजेन्सीके रूपमे मात्रे नै जनताके विश्वसनीय सूचनाके स्रोत बनेबाक प्रयास कएल गेल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ ।

तहिना, राससके अन्तर्राष्ट्रिय सम्बन्ध विस्तार, मित्र राष्ट्रके समाचार संस्थासभसँ समवंय आ दू पक्षीय सम्झौतामार्फत समाचार आदानप्रदानके दायरा पैघ बनेबाक लेल पहल कएल गेल ओ बतौलैन ।

राजीनामाके बाद झा अपन कार्यकालमे सहयोग केनिहार सम्पूर्ण कर्मचारी आ सरोकार भेलसभकेँ धन्यवाद देलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय