आइसँ एसइई परीक्षा, पाँच लाख १२ हजार ४ सओ २१ गोटे सहभागी


राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू, १९ चैतः अइ सालके माध्यमिक शिक्षा परीक्षा (एसइई) आइसँ सुरु भेल अइछ । परीक्षाकेँ व्यवस्थित आ उत्तरपुस्तिका परीक्षणक काजकेँ जल्दी सम्पन्न क शीघ्र नतिजा प्रकाशन करबाक लेल नयाँ निर्देशिका जारी भेलाक बाद परीक्षामे होएबला अनियमितता कम होबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ ।

राष्ट्रिय परीक्षा बोर्डअन्तर्गत परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय (कक्षा १०) विगतजका देशभैर एके बेर परीक्षा सञ्चालन क रहल अइछ । परीक्षा नियन्त्रक टुकराज अधिकारीके कहब अनुसार देशभैर निर्धारण कएल गेल परीक्षा केन्द्रमे भोर ८ः०० बजेसँ एक साथ एसइई परीक्षा सुरु भेल अइछ ।

इएह चैत २९ गते सम्पन्न होएबला अइ सालके एसइइ परीक्षामे पाँच लाख १२ हजार ४ सओ २१ गोटे सहभागी भ रहल अइछ । ओइमध्ये नियमितदिस चाइर लाख ४१ हजार ५ सओ ६६ गोटे आ ग्रेड वृद्धिदिस ७० हजार ८ सओ ५५ गोटे विद्यार्थी सहभागी अइछ । परीक्षा देबैबलामे छात्राके सङ्ख्या बेसी अइछ । अइ साल दू लाख ५७ हजार ६ सओ १३ गोटे छात्रा, दू लाख ५४ हजार ८ सओ १ गोटे छात्र आ अन्य सात गोटे परीक्षामे सहभागी भ रहल अइछ । जापानक एकटा परीक्षा केन्द्रसँ २३ गोटे परीक्षा द रहल अइछ । परीक्षाके लेल देशभैर एक हजार ९ सओ ६६ परीक्षा केन्द्र निर्धारण कएल गेल अइछ, तँ माध्यमिक तह अध्यापन होएबला देशभैरके ११ हजार ३ सओ ७९ विद्यालयके विद्यार्थी परीक्षामे सहभागी भ रहल अइछ ।

परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय सातो प्रदेशक लेल जनक शिक्षा सामग्री केन्द्र लिमिटेडमे प्रश्नपत्र पठाइब चुकल अइछ । प्रत्येक केन्द्रमे १५ गोटे प्रहरी, एक केन्द्राध्यक्ष, एक सहायक केन्द्राध्यक्ष, २० गोटे परीक्षार्थी बराबर एक गोटे निरीक्षक, एक सओ परीक्षार्थी बराबर एक कार्यालय सहयोगी आ अन्य दू गोटे कर्मचारीके व्यवस्था कएल गेल बोर्ड जनौलक अइछ ।

तीन दिनमे उत्तरपुस्तिका परीक्षण कएल जाएत
अइ साल परीक्षा सम्पन्न भेलाक बाद बेसीमे तीन दिनमे परीक्षण सम्पन्न करबाक योजना अइछ । तहिना, ‘मार्कस्लिप प्रिन्ट’ क ‘ट्याब’मे दर्ता करैत खाममे ‘सिलबन्दी’ क गोप्य आ सुरक्षित रूपमे शिक्षा विकास तथा समवंय इकाइमे तीन दिनमे जिमा लगेबाक नयाँ व्यवस्था कएल गेल अइछ ।

माध्यमिक शिक्षा परीक्षा (एसइई) व्यवस्थापन तथा उत्तरपुस्तिका परीक्षण निर्देशिका, २०८२ मे परीक्षा समाप्त होबाक समयमे निर्धारित परीक्षकसभ परीक्षण केन्द्रमे पहुँचबाक प्रबन्ध कएल गेल अइछ । सम्बन्धित विद्यालयके उत्तरपुस्तिका नै पड़एजका परीक्षक आ संपरीक्षकके व्यवस्था करए पड़त । नतिजा प्रकाशनकेँ प्रदेशगत रूपमे सेहो प्रकाशन क सकबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ ।

उत्तरपुस्तिका परीक्षक आ संपरीक्षककेँ परीक्षण केन्द्रमे रहि परीक्षण करबाक लेल कहल गेल अइछ । परीक्षण केन्द्र रहल विद्यालय भवनके सम्भव भेलाधैर सिसिटिभी जड़ान कएल गेल सुरक्षित कक्षमे परीक्षण आ संपरीक्षण करेबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ, तँ परीक्षण केन्द्रसँ उत्तरपुस्तिका बाहर ल जेबाक, निर्धारित परीक्षकके सट्टा दोसर गोटे परीक्षण करबाक, निर्धारित योग्यता नै भेल शिक्षक परीक्षण करबाक, उत्तरपुस्तिकाके पोका हेराएब या मिश्रित हाेबाक जेहन अनियमितता रोकबाक लेल प्रबन्ध कएल गेल अइछ । परीक्षक आ संपरीक्षककेँ परीक्षण कक्षमे मोबाइललगायतक विद्युतीय उपकरण राखबाक लेल प्रतिबन्ध कएल गेल निर्देशिकामे उल्लेख अइछ ।

परीक्षा भेल दिन परीक्षक आ संपरीक्षककेँ बुझेबाक, परीक्षणमे लापरवाही कएने भेटलापर लापरवाहीके मात्रा देख क पुनः परीक्षण करेबाक, पारिश्रमिक कट्टा करबाक या परीक्षकके सूचीसँ नाम हटेबाक, अन्य अमर्यादित काज कएने भेटलापर प्रचलित कानुनबमोजिम विभागीय कारबाही करबाक चेतावनी सेहो देल गेल अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय