आइसँ संसद अधिवेशन


काठमाण्डू १९ चैतः बितल फागुन २१ मे सम्पन्न प्रतिनिधि सभा सदस्यके निर्वाचनक बाद पहिल अधिवेशन आइसँ सुरु भ रहल अइछ । सिंहदरबारस्थित निर्माणाधीन सङ्घीय संसद भवनके बहुद्देश्यीय कक्षमे आइ दुपहर २ः०० बजेके लेल प्रतिनिधि सभाक बैसार आह्वान कएल गेल अइछ ।

राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल इएह चैत १६ गते नेपालक संविधानबमोजिम मन्त्रिपरिषदक सिफारिसमे आइके लेल सङ्घीय संसदक दूनु सदनके अधिवेशन आह्वान कएने छलैन ।

संसदक बैसार सञ्चालनक लेल भौतिक, सुरक्षा, प्राविधिक आ जनशक्तिलगायत सम्पूर्ण तैयारी पूरा भ चुकल संसद सचिवालयके प्रवक्ता एकराम गिरी जानकारी देलैन । सङ्घीय संसदअन्तर्गतके उपरका सदन (राष्ट्रिय सभा) के बैसार सङ्घीय संसद सचिवालयस्थित राष्ट्रिय सभा कक्षमे हएत ।

राष्ट्रपति प्रतिनिधि सभा निर्वाचनक अन्तिम परिणाम घोषणा भेल मितिसँ ३० दिन भीतर सङ्घीय संसदक अधिवेशन आह्वान करबाक संवैधानिक व्यवस्था अइछ । निर्वाचन आयोग इएह चैत ५ गते ‘प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन २०८२ निर्वाचन परिणामसहितक प्रतिवेदन’ राष्ट्रपतिसमक्ष बुझौने छल ।

दू सओ ७५ सदस्यीय प्रतिनिधि सभामे राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीके १ सओ ८२, नेपाली कांग्रेसक ३८, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)के २५, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा) के १७, श्रम संस्कृति पार्टीके सात, राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी (राप्रपा) के पाँच आ एक स्वतन्त्र सांसदके उपस्थिति अइछ ।

प्रतिनिधि सभामे तीन अध्यादेश पेस हएत

आजुक बैसारमे तीन अध्यादेश पेस हएत । बैसारमे गृहमन्त्री सुधन गुरुङके ‘मतदाता नामावली (पहिल संशोधन) अध्यादेश २०८२’, ‘प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन (पहिल संशोधन) अध्यादेश, २०८२’ आ ‘नेपाल विशेष सेवा (दोसर संशोधन) अध्यादेश २०८२’ पेस करबाक सम्भावित कार्यसूची तय कएल गेल अइछ ।

ओइसँ पहिने बैसारमे सभाके ज्येष्ठ सदस्य/सभामुख अर्जुन नरसिंह केसीके राष्ट्रपतिद्वारा प्राप्त अधिवशेन आह्वानसम्बन्धी पत्र तथा राष्ट्रपतिके कार्यालयसँ प्राप्त प्रधानमन्त्री पदमे नियुक्ति तथा मन्त्रिपरिषद गठनसम्बन्धी पत्रसभ पइढ़ क सुनेबाक कार्यक्रम अइछ ।

बैसारमे सभामुख नेपालक संविधानके धारा, १०४ बमोजिम प्रतिनिधि सभा अपन नियमावली नै बनाबएधैर प्रतिनिधि सभा नियमावली, २०७९ बमोजिम कामकारबाही करबाक प्रस्ताव स्वीकृतिके लेल प्रस्तुत करबाक कार्यक्रम रहल सङ्घीय संसद सचिवालयके महासचिव पद्मप्रसाद पाण्डेय जानकारी देलैन ।

अधिवेशनक सुरुमे दलीय आधारमे सदस्यसभक अपन–अपन मन्तव्य राखबाक कार्यसूची तय भेल महासचिव पाण्डेय जानकारी देलैन । बैसारमे सभामुखके प्रतिनिधि सभा नियमावली, २०७९ के नियम ७ बमोजिम प्रतिनिधि सभाके सभामुख पदके निर्वाचनक लेल दिन निर्धारण करबाक कार्यतालिका अइछ ।

बैसारक अन्त्यमे सभामुख संविधान सभाक सदस्य एवं पूर्वसदस्यसभ ऋषिकेश गौतम, मोहम्मद आफताव आलम, आमोद प्रसाद उपाध्याय, होमनाथ दाहाल आ संविधान सभा तथा राष्ट्रिय सभाक सदस्य बलदेव बोहोराके शोक प्रस्ताव प्रस्तुत करबाक कार्यतालिका सेहाे अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय