काठमाण्डू, २० चैतः भारत सरकार सामुदायिक विकासक सातटा परियोजना कार्यावंयन करए लागल अइछ ।
सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्रालय आ काठमाण्डूस्थित भारतीय राजदूतावास बीच वृहस्पैतदिन समझदारीपत्रमे हस्ताक्षर कएल गेल अइछ ।
परियोजनाअन्तर्गत तेह्रथुमके लालीगुराँस नगरपालिका–२ मे ‘कोल्ड स्टोर’ निर्माण, मुस्ताङके घरपझोङ गाउँपालिका–२ मे जनबल माध्यमिक विद्यालयके भवन, छात्रावास आ चमेना गृहके निर्माण, कैलालीके गौरीगङ्गा नगरपालिका–११ मे कालिका प्राथमिक विद्यालय भवन निर्माण कएल जाएत ।
तहिना, रौतहटके परोहा नगरपालिका–४ मे प्रसूति केन्द्रके भवन निर्माण, डोल्पाके त्रिपुरासुन्दरी नगरपालिका–७ मे कस्तुरी माध्यमिक विद्यालय आ बाँकेके खजुरा गाउँपालिका–४ मे जनकल्याण माध्यमिक विद्यालयके भवन निर्माण कएल जाएत । रासस





