राइतभैर ‘अपरेशन सेफ्टी’ : गुण्डागर्दीमे संलग्न पाँच आ विमानस्थलसँ १८ गोटे गिरफ्तार


काठमाण्डू, २१ चैतः काठमाण्डू प्रहरी काइल्ह राइत ‘अपरेशन सेफ्टी’ अन्तर्गत उपत्यकाके विभिन्न ठामँमे गुण्डागर्दीमे संलग्न पाँच व्यक्तिकेँ गिरफ्तार केलक अइछ तँ विमानस्थलमे यात्रीकेँ दुःख आ परेशानी केनिहार १८ गोटेके नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ ।

जिला प्रहरी परिसर काठमाण्डूक प्रवक्ता, प्रहरी उपरीक्षक पवन भट्टराई अनुसार प्रहरी राइतमे ‘अपरेसन सेफ्टी काठमाण्डू’ अन्तर्गत बौद्धमे श्याम लामा समूह मार्फत गुण्डागर्दी करैत आएल ‘डिम्पल’ नामक प्रवीण तामाङकेँ गिरफ्तार केलक अइछ ।

एहिने काठाण्डूके कलङ्की–बाफल क्षेत्रमे गुण्डागर्दी कएने आरोपमे बिर्जु महर्जन, कलङ्कीके बस टिकट काउन्टर–पेट्रोलपम्प क्षेत्रमे गुण्डागर्दी केनिहार सुजन कार्की, स्युचाटार क्षेत्रमे गुण्डागर्दीमे संलग्न सरू हुमागाईंकेँ आ बौद्ध क्षेत्रमे लुटपाटमे संलग्न बिकी लामाकेँ गिरफ्तार कएल गेल भट्टराई बतौलैन ।

इएह बीच राइतमे त्रिभुवन विमानस्थल क्षेत्रसँ यात्रीकेँ दुःख आ परेशान केनिहार १८ व्यक्तिकेँ सेहो गिरफ्तार कएल गेल प्रवक्ता भट्टराई बतौलैन । उक्त १० गोटे यात्रीसभसँ कमिसन लेब तथा यात्रीसभकेँ दुव्र्यवहारमे संलग्न रहल पाएल गेल प्रवक्ता भट्टराई बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय