काठमाण्डू, २७ चैतः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल देशक आर्थिक विकासक लेल निजी क्षेत्रके भूमिका महत्वपूर्ण होबाक उल्लेख करैत सरकार आ निजी क्षेत्र बीच सहकार्य करबाक लेल जोड़ देलैन अइछ ।
नेपाल चेम्बर अफ कमर्सके ७५म वार्षिक साधारणसभाके आइ उद्घाटन करैत ओ आर्थिक समृद्धिके मूल आधार व्यापार–व्यवसाय, उद्योगधन्दाके प्रवर्द्धनमे सरकार–निजी क्षेत्र बीच साझेदारी होबाक चाही बतौलैन ।
आर्थिक समुद्धिसँ सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रकेँ सुदृढ़ बनेबाक लेल सहज होबाक कारण जनता चाहने विकास आ समृद्धिके लेल एकताबद्ध भ आगु बढ़बाक लेल सम्बद्ध सबकेँ राष्ट्रपति पौडेल आह्वान केलैन ।
निजी क्षेत्रकेँ केवल कर चुक्ता करैबला निकायके रूपमे नै राष्ट्र निर्माणके साझेदारके रूपमे लेबाक चाही से धारणा व्यक्त केलैन ।
देशक आर्थिक समृद्धि, उद्योग व्यवसायके प्रवर्द्धन, लगानीमैत्री वातावरण निर्माण तथा उद्यमशीलताके विकासमे चेम्बर निर्वाह कएने भूमिकाके राष्ट्रपति सराहना केलैन । (रासस)





