काठण्माडू । प्रधानमन्त्री बालेन शाह मन्त्रिपरिषद् विस्तार करैत उद्योग आ श्रम मन्त्रालयमे नवका मन्त्री नियुक्त कएलक अइछ ।
राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल प्रधानमन्त्रीक सिफारिसमे रास्वपाक सांसद गौरीकुमारी यादवलके उद्योग मन्त्री आ रामजी यादवके श्रम मन्त्रीमे नियुक्त कएलक अइछ । नवनियुक्त मन्त्रीसब आइये शीतल निवासमे शपथ ग्रहण करबाक कार्यक्रम रहल अइछ । गौरीकुमारी यादव महोत्तरी–४ आ रामजी यादव सप्तरी–२ स’ फागुन २१ मे सम्पन्न प्रतिनिधिसभा निर्वाचनमे निर्वाचित भेल अइछ ।
प्रधानमन्त्री शाह उद्योग मन्त्रालय अइस’ पहिने अपने लेने छल । एम्हर, श्रम मन्त्री रहल दीपककुमार साहके रास्वपा सभापति रवि लामिछानेके सिफारिसमे बृहस्पैत दिन पदमुक्त कएने छल ।





