रासस/एएनआई
मुम्बई, २९ चैतः भारतीय सङ्गीतक स्वरयुग परिवर्तन कएने प्रसिद्ध गायिका आशा भोसलेके आइ निधन भेल अइछ । आठ दशकसँ बेसी समय भारतीय सिनेमा आ सङ्गीतकेँ अपन आवाजसँ समृद्ध बनौने हुनक निधनसँ सम्पूर्ण कलाजगत शाेकमे डुबल अइछ । हुनक ९२ वर्षक उमेरमे निधन भेल अइछ ।
मुम्बईस्थित ब्रिच क्यान्डी अस्पतालमे इलाजक क्रममे हुनक निधन भेल चिकित्सक डा. प्रतीत समदानी पुष्टि केलैन । स्पताल स्रोतअनुसार अत्यधिक थकान आ छातीमे सङ्क्रमण भेलाक बाद आशा भोसलेकेँ शैनदिन साँझ अस्पताल भर्ना कराओल गेल छल । सन् १९३३ मे जन्मल आशा भोसले कम उमेरमे अपन सङ्गीत यात्रा सुरु कएने छलैन ।





