परवाहामे ‘लोक संस्कृति उत्सव’ सम्पन्न


धनुषा, १ वैशाखः जिलाक औरही गाउँपालिका–२ परवाहामे स्थानीय लोक, संस्कृतिके संरक्षण, प्रवर्द्धन तथा पुस्तान्तरण करबाक उद्देश्यसँ आयोजित ‘परवाहा लोक संस्कृति उत्सव’ सम्पन्न भेल अइछ । युवा नाट्यकला परिषद परवाहाके आयोजन तथा औरही गाउँपालिकाके सहयोगमे उत्सव आयोजन कएल गेल छल ।

युवा नाट्यकला परिषदक अध्यक्ष अनिल मिश्र मौलिक लोक, संस्कृतिके संरक्षण करैत नयाँ पुस्तामे पुस्तान्तरण करबाक उद्देश्यसँ उत्सव आयोजन कएल गेल बतौलैन । हुनक कहब अनुसार सोमदिनसँ सुर भेल उत्सव आइ सम्पन्न भेल । उक्त उत्सवमे मिथिलाक विविध सांस्कृतिक विधा प्रस्तुत कएल गेल ।

उत्सवक क्रममे ‘सांस्कृतिक सङ्क्रमण’ तथा ‘सांस्कृतिक पुनरुत्थान कि पुनर्विचार’ विषयमे विचार विमर्श सेहो कएल गेल छल । तहिना, विद्यापति गीत, संस्कार तथा व्यवहारसम्बन्धी गीत, गोधना आ गाथा गायन प्रस्तुत कएल गेल आयोजक जनौलक अइछ । लोरिक, दिनभद्री, सलहेस नाचलगायत मिथिलाक प्रख्यात ऋतुगीत, श्रमगीत तथा नारदी कीर्तन सेहो प्रस्तुत कएल गेल छल ।

आधुनिकताके प्रभावक कारण मौलिक संस्कृति हेराए लागल कहैत अध्यक्ष मिश्र एकर संरक्षण अपरिहार्य भेल उल्लेख केलैन । गाम घरमे रहल पुरान लोकगीत, नाच तथा परम्परागत ज्ञानके अभिलेखीकरण करैत पुस्तान्तरण करबाक लक्ष्यसहित उत्सव आयोजन कएल गेल ओ बतौलैन ।

उत्सवमे स्थानीय कलाकारसहित सांस्कृतिक अभियन्ता, अनुसन्धानकर्ता तथा सरोकारवालासभक सहभागिता छल । मिथिला क्षेत्रक सांस्कृतिक विविधताकेँ उजागर करैत परवाहा क्षेत्रकेँ सांस्कृतिक केन्द्रके रूपमे विकास करबाक लक्ष्य राखल गेल आयोजक जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय