१० हजारसँ बेसी अनलाइन सट्टेबाजी एप आ वेबसाइट बन्द


काठमाण्डू । अनलाइन सट्टेबाजीसँ सम्बन्धित १० हजारसँ बेसी एप्लिकेसन (एप) आ वेबसाइट बन्द कएल गेल अइछ। नेपाल दूरसञ्चार प्राधिकरणक उपनिर्देशक सूर्यप्रसाद लामिछानेक अनुसार अवैध रूपमे सञ्चालनमे रहल सट्टेबाजी सम्बन्धी एप तथा वेबसाइटसभ बन्द कएल गेल अइछ।

सरकारक शासकीय सुधार सम्बन्धी निर्णय कार्यान्वयनके क्रममे नेपाल दूरसञ्चार प्राधिकरण इन्टरनेट सेवा प्रदायक संगक समन्वयमे कएल गेल अइछ। मन्त्रिपरिषद्क अइ चैत १३ गतेक बैसारसँ स्वीकृत शासकीय सुधार सम्बन्धी १०० कार्यसूची मध्ये बुँदा नम्बर ४२मे सट्टेबाजी सम्बन्धी एप तथा वेबसाइट २४ घण्टा भितर बन्द करबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ।

मुलुकीय अपराध संहिता, २०७४ क दफा १२५ क उपदफा (४) अनुसार सट्टेबाजी नै करब वा नै करेबाक व्यवस्था अइछ। ओइ प्रावधान उल्लङ्घन कएलापर ओइ दफाके उपदफा (६) अनुसार प्रयोग भेल नगद जफत क एक सालधैर कैद तथा १० हजार टका धैर जरिवाना भ क सकबाक व्यवस्था अइछ।

ओहिना, विज्ञापन (नियमन) ऐन, २०६६ सेहो जुआ खेलब वा खेलाएब तथा अनुमति नै ल क कएल गेल चिठ्ठा किन–बेच लेल प्रोत्साहन करैबला विज्ञापन निषेध कएने अइछ।

प्राधिकरण नागरिककेँ सचेत रहए लेल, एहन अवैध डिजिटल गतिविधिसँ दूर रहए तथा कोनो सेहो शङ्कास्पद एप वा वेबसाइट बारे जानकारी भेलापर सम्बन्धित निकायमे सूचित करबाक लेल आग्रह कएने अइछ। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय