‘टाइम म्यागेजिन’ के एक सओ प्रभावशाली व्यक्तिके सूचीमे प्रधानमन्त्री शाह


काठमाण्डू, ३ वैशाखः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाहकेँ ‘टाइम म्यागेजिन’ सन् २०२६ के लेल सार्वजनिक कएने एक सओ प्रभावशाली व्यक्तिके सूचीमे समावेश केलक अइछ ।

म्यागेजिन ३५ वर्षक शाहकेँ पूर्व ‘हिप–हप’ कलाकारसँ नेपालक सबसँ छोट प्रधानमन्त्री कहैत हुनक यात्राके बारेमे चर्चा करैत दक्षिण एसियाली राजनीतिमे नयाँ तरङ्ग लाबैबला व्यक्तिके रूपमे चित्रण कएने अइछ ।

प्रधानमन्त्री शाहके उदय युवापुस्ताके समर्थन आ पुरान राजनीतिक दल तथा संरचनाप्रति असन्तुष्टिके परिणाम भेल म्यागेजिन जनौलक अइछ ।

काठमाण्डू महानगरपालिकाके प्रमुख रहैत समय कचरा व्यवस्थापन, शिक्षा आ स्वास्थ्य क्षेत्रमे कएने सुधारक चर्चा करैत प्रधानमन्त्रीके जिमेवारीमे शाहप्रति नेपाली जनताक विश्वास सङे प्रभावकारी नेतृत्व निर्वाह करबाक अपेक्षाके बारेमे सेहो चर्चा कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय