लहान क्षेत्रमे सड़क विस्तार गति लैत


सिरहा, ४ वैशाख : सिरहाक लहान बजार क्षेत्रमे सड़क विस्तारके काज तीव्रतासँ भ रहल अइछ। कञ्चनपुर–कमला चाइर लेन सड़कखण्ड विस्तार अन्तर्गत भ रहल निर्माणकेँ सहज बनेबाक लेल लहान नगरपालिका ‘हाइवे’ क्षेत्रमे यात्री चढेबाक आ उतरबाक लेल निश्चित स्थान बनेलक अइछ।

बजार क्षेत्रमे लम्बा समयसँ बन्द रहल सड़क विस्तारक लेल चिनियाँ कम्पनी ‘चाइना रेलवे नं २ इञ्जिनियरिङ ग्रुप’ बुधदिनसँ पुनः काज सुरू कएने अइछ। विगतमे भेल ढिलासुस्तीक कारण स्थानीय व्यवसायीसभ बेर-बेर आन्दोलन कएलापर काजकेँ निरन्तरता देबाक लेल जिला उद्योग वाणिज्य सङ्घ निर्माण कम्पनी आ सरोकारवालासभसँ बेर-बेर बातचित क सहजीकरण कएने छल।

संघके अध्यक्ष प्रदीप कुमार गुप्ता कहलैन, “लम्बा समय निर्माण रुकलासँ गरदा आ धुआँके कारण स्थानीय व्यापार, व्यवसाय धरासायी बइन रहल छल। सरोकारवाला निकायसभसँ निरन्तर बातचितके बाद आइसँ काज आगाँ बढ़ल अइछ। हमर मुख्य इच्छा छै जे आब निर्माण जल्दी पूरा होए।”

आइ काइल्ह लहान बजारके मुख्य चौकमे ‘ओभरपास’ निर्माण भ रहल अइछ। चिनियाँ कम्पनी सन् २०२० अक्टोबर २९सँ निर्माण सुरू कएने छल। सड़क विस्तार आयोजना अन्तर्गत कुल ८६ दशमलव ८२ किलोमिटर लम्बा सड़क विस्तार करए पड़त से आयोजना कार्यालय जनौने अइछ।

सम्झौता अनुसार सन् २०२३ अक्टोबर भितर काज समाप्त करबाक लक्ष्य रहलोपर समयमे सम्पन्न नै भेलासँ तीन बेर म्याद बढ़ाएल गेल अइछ। हाल अन्तिम समयसीमा सन् २०२६ जूनधैर पहुँचाएल गेल अइछ। सड़क आयोजना कार्यालयक अनुसार हालधैर लगभग ७० प्रतिशत काज पूरा भेल अइछ। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय