रैवदिन आ शैनदिनके सार्वजनिक छुट्टी अस्पतालमे सेहो लागू


काठमाण्डू, ५ वैशाखः स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालय सरकारी अस्पतालमे रैवदिन आ शैनदिन दू दिन छुट्टी देबाक निर्णय भेल अइछ ।

मन्त्रालयक प्रवक्ता डा प्रकाश बुढाथोकी बितल चैत २२ गते राजपत्रमे प्रकाशित सूचनाबमोजिम शैनदिन आ रैवदिन दू दिन सार्वजनिक छुट्टी देबाक व्यवस्थाअनुसार अस्पतालमे सेहो लागू कएल गेल बतौलैन । अइसँ पहिने मन्त्रालय बितल रैवदिन अस्पतालके बहिरङ्ग सेवा सञ्चालन करए लेल निर्देशन देने छल ।

“स्वास्थ्यकर्मीक मनोबल आ हितकेँ ध्यानमे राखैत बेमारके निरन्तर देखभाल आ सरकारके हप्तामे दू दिन सार्वजनिक छुट्टीके नीतिअनुसार रैवदिनके पूर्वनिर्धारित शल्यक्रियासहितके बेमारके सहजता अनुसार ‘रिसेडयुल’ क अन्तरङ्ग आ आकस्मिक सेवासभके २४ घण्टा सूचारु कएल जाएत”, ओ कहलैन ।

मन्त्रालयके प्रवक्ता बुढाथोकी छुट्टीमे ककरो समस्या नै होए से अस्पतालसभ सम्भव भेलधैर सेवा देबाक लेल सेहो आग्रह केलैन। एहिने अस्पतालमे उपलब्ध नै रहल सेवाक लेल उपयुक्त अस्पतालमे सहज रेफर आ एम्बुलेन्ससभ हरदम तैयार रखबाक लेल सब अस्पतालकेँ आग्रह केलक अइछ ।

छुट्टीमे उपलब्ध सेवाके विवरण अपन वेबसाइट तथा सूचनाबोर्डमे राखय लेल सेहो आग्रह केलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय