वीरगञ्जमे अतिक्रमित संरचना हटेबाक सुरु


राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
वीरगञ्ज (पर्सा), ६ वैशाखः सड़क डिभिजन कार्यालय हेटौँडा आइ भोरसँ वीरगञ्जमे मुख्य सड़क अतिक्रमण क निर्माण कएल गेल घर हटेबाक काज सुरु केलक अइछ ।

त्रिभुवन राजपथअन्तर्गतके गण्डक चौकसँ मितेरी पुलधैर सड़कके बीच भागसँ दायाँ–बायाँ २५–२५ मिटर सड़क विस्तारके लेल अतिक्रमण क निर्माण कएल गेल संरचना हटेबाक सुरु कएल गेल अइछ ।

सड़क डिभिजन हेटौँडा कार्यालय आइ भोर पाँच बजेसँ करिब एक एक दर्जन एक्जाभेटरसहित अतिक्रमित संरचना हटेबाक सुरु कएल गेल आ समग्रमे करिब एक हजार २ सओ घर हटेबाक जनौलक अइछ ।

कार्यालयके इन्जिनियर भोला साह सर्वाेच्च अदालतक फैसला आ सङ्घीय सरकारक निर्देशनअनुसार अतिक्रमित संरचना हटेबाक सुरु कएल गेल जानकारी देलैन । “मापदण्ड विपरितके घर हटेबाक लेल बेर–बेर सूचना जारी कएल गल छल । मुदा, अटेर कएलाक बाद एक्जाभेटरसहित घर हटेबाक सुरु कएल गेल छैँ”, ओ कहलैन, “अइसँ सड़क विस्तार अभियानकेँ आगु बढ़ेबाक लेल आसान हएत ।”

वीरगञ्जके मुख्य सड़कमे घर भेल घर मालिक, व्यापारी तथा व्यवसायीकेँ स्थानीय प्रशासन १२ घण्टासँ कम समयके सूचनासहित घर खाली करबाक लेल निर्देशन देलाक कारण समस्या भेल अइछ ।

घण्टाघरमे घर रहल घर मालिक कन्हैयालाल केशरी सर्वाेच्च अदालतक फैसला कार्यावंयन करबाक विषयमे कोनो शिकायत नै भेलाक बादो प्रशासन पर्याप्त समय नै देने कारण समस्या भेल बतौलैन । “घर तथा दोकान खाली करबाक लेल कम्तीमे एक हप्ताके समय देलासँ हमरासभके सरसमान हटेबाक लेल आसान होइत”, ओ कहलैन ।

वीरगञ्ज महानगरके नगर प्रहरी प्रमुख हरि भुसाल आइ भोरसँ नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल आ नगर प्रहरीके कड़ा सुरक्षा निगरानीमे अतिक्रमित संरचना हटेबाक काज सुरु कएल गेल जानकारी देलैन ।

जिला प्रशासन कार्यालय पर्सा शैनदिन साँझ सूचना जारी करैत आइ भोर ४ः३० बजधैर गण्डक चौकसँ मितेरी पुलधैर सड़क अतिक्रमण क बनाएल गेल घर हटेबाक लेल निर्देशन देने छल ।

ताजा खबर
लोकप्रिय