रासस/एएफपी
वासिङ्टन, ७ वैशाख : मध्यपूर्वमे जारी तनाव आ युद्धविरामके समयसीमा लगचियाएल समय इरान, पाकिस्तानमे अमेरिकासँ हुअबला वार्तामे भाग लेबाक कोनो योजना नै रहल स्पष्ट केलक अइछ ।
इरानी सरकारी सञ्चारमाध्यम अनुसार वर्तमान परिस्थितिमे पाकिस्तानमे अमेरिकासँ हुअबला वार्ताके दोसर चरणमे इरानके सहभागी होबाक कोनो तैयारी नै अइछ । इरान अनुसार अमेरिकी नौसैनिक नाकाबन्दी आ वर्तमान घटनाक कारण वार्ताके वातावरण नकारात्मक बनल अइछ ।
रैबदिन अमेरिकी नौसेनाके युद्धपोत इरानी झण्डा भेल एकटा मालवाहक जहाजपर गोली प्रहार क नियन्त्रणमे लेने अमेरिकी पक्ष जनौलक अइछ । उक्त घटनाके बाद इरान अमेरिकी सैन्य जहाजदिस ड्रोन पठौने दाबी कएल गेल अइछ । इरानी समाचार एजेन्सी तस्नीम अनुसार अइ कदमके अमेरिकी कारबाहीके प्रतिवादस्वरूप मानल गेल अइछ ।
अइ बीच, इरान आ अमेरिका बीचक पहिल चरणके वार्ता बितल अप्रिल ११ मे पाकिस्तानक इस्लामाबादमे भेल छल । २१ घण्टाधैर भेल वार्ता निष्कर्सविहीन भेल छल ।
अमेरिकी राष्ट्रपति ट्रम्प वार्ताके बारेमे आशावादी भेल इरानकेँ ‘न्यायसङ्गत सम्झौता’ स्वीकार करबाक लेल आग्रह कएने छैथ । सम्झौता नै भेलापर इरानक पूर्वाधारमे आओर दबाब देबाक ओ चेतावनी दोहोरौलैन ।
पाकिस्तानमे होबाक कहल गेल दोसर चरण वार्ताकेँ ध्यानमे राइख इस्लामाबादमे उच्च सुरक्षा व्यवस्था मिलाएल गेल अइछ । सड़क बन्द, ट्राफिक नियन्त्रण आ सुरक्षा निगरानी कड़ा बनाएल गेल अइछ ।
वार्तामे अमेरिकी प्रतिनिधिमण्डलके नेतृत्व उपराष्ट्रपति जेडी भान्स करबाक बताओल गेल अइछ, तँ मध्यपूर्वके दूत स्टिभ विटकफ आ ट्रम्पके जमाए जारेड कुसनर सेहो वार्तामे सहभागी होबाक अपेक्षा अइछ ।
वार्ताके प्रमुख मुद्दामध्ये एक इरानक उच्च समृद्ध युरेनियम भण्डार अइछ । अमेरिकी राष्ट्रपति ट्रम्प इरान किछ युरेनियम हस्तान्तरण करबाक लेल सहमति जनौने दाबी कएने छैथ । मुदा, इरानी विदेश मन्त्रालय ओइ विषयमे कोनो सहमति नै भेल स्पष्ट कएने अइछ ।





