तराई क्षेत्रमे गरम हावाके सम्भावना


काठमाण्डू, ८ वैशाखः नेपालमे अखन पश्चिमी स्थानीय वायु सङे पूर्वी नेपाल लग रहल न्यून चापीय प्रणालीके आंशिक प्रभाव अइछ । जइ कारण हिमाली भू–भागमे साधारणतया मेघ लागत ।

जल तथा मौसम विज्ञान विभाग, मौसम पूर्वानुमान महाशाखाद्वारा जारी मौसम ‘बुलेटिन’ अनुसार कोशी प्रदेशके पहाड़ी आ तराई तथा बाँकी पहाड़ी भू–भागमे आंशिक मेघ लागत आ बाँकी तराई भू–भागमे मौसम मुख्यतया सफा रहत । देशक हिमाली भू–भागके एक–दू स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यमधैर वर्षा/हिमपातके सम्भावना रहल ‘बुलेटिन’मे उल्लेख अइछ ।

तहिना, मधेशलगायत बागमती, गण्डकी, लुम्बिनी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक तराईसहित उपत्यका आ खोँचसभमे गरम दिन होबाक सम्भावना अइछ, तँ लुम्बिनी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक तराई क्षेत्रमे गरम हावा बहबाक सम्भावना अइछ ।

महाशाखा अनुसार आइ राइत हिमाली भू–भागमे आंशिक मेघ लागत, तँ पहाड़ी आ तराई भू–भागमे मौसम मुख्यतया सफा रहत । तहिना, कोशी आ गण्डकी प्रदेशक हिमाली भू–भागक एक–दू स्थानमे हल्का वर्षा/हिमपातके सम्भावना अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय