‘रेल सेवाकेँ व्यावसायिक बनेबाक लेल कार्गो सेवा विस्तार करए पड़त’


महेन्द्रनगर (धनुषा), १३ वैशाखः नेपाल रेल विभागक महानिर्देशक हरि कुमार पोखरेल रेल सेवाकेँ टिकाउ आ व्यावसायिक बनेबाक लेल मालवाहक (कार्गो) सेवा अनिर्वाय विस्तार करबाक चाही से बतौलैन ।

आइ जनकपुरधाममे आयोजित बातचित कार्यक्रममे ओ देशमे रेल्वे सेवा, वर्तमान अवस्था, भविष्यक सम्भावना आ आवश्यक सुधारके उपायबारे कहलैन “रेल सेवाकेँ आत्मनिर्भर आ नाफामुखी बनाबए मालवाहक सेवा विस्तार करब आवश्यक छै”, ओ कहलैन, “अइसँ राजस्व वृद्धि मात्रे नै, समग्र आर्थिक गतिविधिमे सेहो सकारात्मक प्रभाव करत ।”

महानिर्देशक पोखरेल रेल पूर्वाधार विस्तार, आधुनिक प्रविधिके प्रयोग आ सेवा गुणस्तर सुधारमार्फत नेपाल रेल्वेकेँ प्रतिस्पर्धी बनेबाक योजनामे सरकार आगू बढ़बाक चाही से कहलैन । ओ निजी क्षेत्रसँगके सहकार्य, समन्वय आ सहलगानीके आवश्यकता रहल बतौलैन।

बातचितमे जनकपुरधाम उद्योग वाणिज्य संघके अध्यक्ष सुरेन्द्र कुमार भण्डारी रेल सेवाके प्रभावकारी सञ्चालन मधेश प्रदेशक औद्योगिक आ व्यापारिक विकासमे महत्वपूर्ण योगदान पहुँचबाक विश्वास व्यक्त केलैन । ओ स्थानीय उद्योगी-व्यवसायीके आवश्यकताअनुसार सेवा विस्तार करबाक चाही से कहलैन ।

जनकपुरधाम उद्योग वाणिज्य संघके पूर्वअध्यक्ष निर्मल चौधरी, प्रकाशचन्द्र साह, शिवशङ्कर साह, श्यामप्रसाद साहसहित रेल सेवाके दीर्घकालिन विकासक लेल पूर्वाधार सुदृढीकरण, समयतालिका व्यवस्थापन आ सेवा विश्वसनीयता बढ़ेबाक लेल सुझाव देने छलैथ । ओसभ भारतीय रेल सञ्जालकेँ प्रभावकारी रूपमे उपयोग करैत सीमाक्षेत्रके व्यापार प्रवर्द्धनमे जोड़ देबाक आवश्यकता रहल कहलैन। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय