काठमाण्डू, १६ वैशाखः जल तथा मौसम विज्ञान विभाग आइ साँझसँ देशक विभिन्न क्षेत्रमे तीव्र गतिके हावाबिहाइरसहित मेघगर्जन, ठन्का, पाथर आ वर्षाके सम्भावना रहल कहैत उच्च सतर्कता अपनेबाक लेल आग्रह केलक अइछ ।
विभागक मौसमविद सञ्जीव अधिकारीके कहब अनुसार आइ सुदूरपश्चिम प्रदेशक डडेलधुरा आ डोटी, लुम्बिनी प्रदेशक बर्दिया, बाँके, दाङ आ अर्घाखाँची, मधेश प्रदेशक धनुषा आ बारा तथा कोशी प्रदेशक मोरङसहित लगपासके जिलामे तीव्र हावाबिहाइरके सम्भावना अइछ ।
हावाबिहाइर सुरु होबाक सम्भावित समय आइ साँझ ५ः४५ बजे तथा समाप्त होबाक सम्भावित समय वृहस्पैतदिन भोर ७ः४५ बजे रहबाक विभाग जनौलक अइछ ।
पश्चिमी प्रणाली पूर्वदिस घुसैक रहलासँ देशक अधिकांश स्थानमे मेघगर्जन, ठन्का, हावाबिहाइर आ पाथरसहित वर्षा होबाक सम्भावना रहल विभाग जनौलक अइछ । प्रतिकूल मौसमके कारण जनजीवन, कृषि, यातायात तथा विद्युत सेवामे असर होबाक कारण आवश्यक सतर्कता अपनेबाक लेल विभाग आग्रह केलक अइछ । (रासस)





