काठमाण्डू, १८ वैशाख: ‘आठ घण्टा काम, आठ घण्टा मनोरञ्जन आ आठ घण्टा आराम’ कहल जाएबला नारासहित सन् १८८६सँ सुरू भेल मजदुर आन्दोलनके स्मरणमे विविध कार्यक्रम क आइ नेपालसहित विश्वभैर १३७म अन्तर्राष्ट्रीय श्रमिक दिवस मनाबैत अइछ ।
दिवसके अवसरमे श्रम, रोजगार तथा सामाजिक सुरक्षा मन्त्रालय रोजगारदाता आ श्रमिकसहित सम्बन्धित अन्तर्राष्ट्रीय संघसंस्थाक प्रतिनिधिके सहभागितामे देशेभैर विभिन्न कार्यक्रम आयोजित होइत अइछ ।
फ्रान्सके पेरिसमे सन् १८८९ मे सम्पन्न विश्वक श्रम सङ्गठन एवम् श्रमिक नेतासभके सम्मेलनके निर्णय गरेअनुरूप सन् १८९०सँ हरेक वर्ष अङ्ग्रेजी महिनाक मे १ तारिखमे अन्तर्राष्ट्रीय श्रमिक दिवस मनाबैत आएल अइछ ।
मजदुर अइ दिवसकेँ पावैनक रूपमे लैत अपन हक अधिकारके सुनिश्चितताक लेल सरकार आ रोजगारदाताकेँ दबाब देबाक उद्देश्यसँ विभिन्न कार्यक्रम करैत आएल छै ।
वि.सं. २००७ मे भेल विराटनगर मजदुर आन्दोलनसङे नेपालमे अन्तर्राष्ट्रीय श्रमिक दिवस मनाएल गेल इतिहास अइछ । वि.सं. २०४६के राजनीतिक परिवर्तनक बाद सरकार अन्तर्राष्ट्रीय श्रमिक दिवसके अवसरमे सार्वजनिक छुट्टी देल जा रहल छै । (रासस)





