रासस/एएफपी
कङ्गो, ३ जेठ : डेमोक्रेटिक रिपब्लिक अफ कङ्गोमे इबोला रोगक कारण ८० गोटेसँ बेसीके मृत्यु भेल अइछ । अवस्था गम्भीर भेलाक बाद विश्व स्वास्थ्य सङ्गठन एकरा अन्तर्राष्ट्रिय सार्वजनिक स्वास्थ्य आपतकाल घोषणा केलक अइछ ।
अखनधैर ८८ गोटेके मृत्यु भ चुकल अइछ आ ३ सओ ३६ गोटेमे संक्रमणके आशंका कएल गेल स्वास्थ्य अधिकारीसभ बतौलक अइछ । रोग तीव्र रूपमे फैलल कहैत चिन्ता व्यक्त कएल गेल अइछ ।
स्वास्थ्य मन्त्रीके कहब अनुसार इबोलाके लेल अखन कोनो खोप उपलब्ध नै अइछ । अइ रोगक मृत्युदर करिब ५० प्रतिशतधैर पहुँचबाक बताओल गेल अइछ ।
स्वास्थ्य सहायता संस्थासभ पैघ मात्रामे सहयोग आ इलाज टोली पठेबाक तैयारी क रहल अइछ ।
ई प्रकोप कङ्गोके इटुरी क्षेत्रमे सुरु भेल अइछ । जे युगान्डा आ दक्षिण सुडानसँ सीमासँ जुड़ल अइछ । प्रारम्भिक बेमारी एक गोटे स्वास्थ्यकर्मी रहल बताओल गेल अइछ ।
इलाज केन्द्र आ आइसोलेसन अभावक कारण बेमारीसभक घरमे मृत्यु भ रहल बतौलक अइछ । जइ कारण रोग अखन आओर फैलबाक खतरा बढ़ल अइछ ।
विश्व स्वास्थ्य सङ्गठन ई अवस्था अखनो फैल सकबाक कहैत उच्च सतर्कता अपनेबाक लेल आग्रह केलक अइछ ।





