काठमाण्डू, ४ अखार : फिफा विश्वकप फूटबल प्रतियोगिता अन्तर्गत आइ भेल खेलमे इंग्ल्याण्ड क्रोएसियाकेँ पराजित केलक अइछ । अमेरिकाके डलास रंगशालामे भेल खेलमे इंग्ल्याण्ड ४–२ गोलसँ क्रोएसियाकेँ पराजित केलक ।
खेलके १२म मिनेटमे इंग्ल्याण्डके लेल ह्यारी केन पेनाल्टीमार्फत गोल करैत टोलीकेँ सुरुआती अग्रता दियोलैन । खेलके ३६म मिनेटमे क्रोएसियाके लेल मार्टिन बुटुरिना गोल करैत खेलकेँ बराबरीके अवस्थामे आनने छलैन ।
४२म मिनेटमे इंग्ल्याण्डके लेल ह्यारी केन व्यक्तिगत दोसर गोल करैत पुनः टोलीकेँ अग्रता दियोलैन, तँ पहिल हाफमे थप कएल गेल अतिरिक्त समयमे क्रोएसिया जवाबी गोल केलैन । क्रोएसियाके लेल पिटर मुसा गोल कएलाक बादो खेल फेरसँ बराबरी पहुँचल छल ।
खेलक ४७म मिनेटमे जुड बेलिङ्हम गोल कएलाक बाद इंग्ल्याण्ड फेरसँ खेलमे अग्रता लेलक । ओइके बाद खेलक ८५म मिनेटमे मार्कस र्यासफोड एक गोल कएलाक बाद इंग्ल्यायण्ड अग्रता दोब्बर बनौलक । ओइके बाद खेलमे कोनो गोल नै भेल आ इंग्ल्याण्ड जीत हासिल केलक । (रासस)





