हमरासभ लोकतन्त्रप्रति प्रतिबद्ध छी: सभापति लामिछाने


चितवन, ६ अखारः राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)का सभापति रवि लामिछाने अपन पार्टी कहियो लोकतन्त्रसँ विमुख नै होबाक बताैलैन अइछ ।

पार्टीके महाधिवेशनसँ पहिने आइ भेल बैसारमे ओ कहलैन “संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र, देशक संविधान देशकेँ अखनके अवस्थामे अनबाक लेल कएल योगदानके जगमे अपनासभ ठाढ भेल छी, हमरासभकेँ एहिमे गर्व अइछ । लोकतन्त्रसँ विमुख नै होएब।”

आन्तरिक लोकतन्त्रकेँ मजबुत नै क सकब तँ कोनो न कोनो बिन्दुमे ताहिसँ दुर्घटना होबाक कहैत ओ कहलैन “एकटा घरमे होएबला दुर्घटना आ समाजमे होएबला दुर्घटनासँ बेसी राजनैतिक पार्टीमे होएबला दुर्घटनाके बहुत बडका मूल्य चुकाबए पडै़त छै।”

कोनो भूमिकामे रहलोपर अपनाकेँ जिमेवार नागरिकके रुपमे प्रस्तुत करए लेल पार्टीके नेता तथा कार्यकर्ताकेँ निर्देशन दैत सभापति लामिछाने अस्वस्थ प्रतिस्र्धासँ दूर रहबाक आग्रह केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय