चितवन, ११ अखारः राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) के केन्द्रीय सदस्य पदक मतदान सम्पन्न भेल अइछ ।
निर्वाचन आयोग अनुसार आइ राइत १२ः०० बजेसँ सुरु भेल मतदान आइ दुपहर १२ः३० बजे सम्पन्न भेल अइछ ।
रास्वपा चितवनके सभापति मिनीमाधव खनालके कहब अनुसार महाधिवेशनमे चाइर हजार एक सओ प्रतिनिधि रहलमे तीन हजार ९ सओ ५० मत खसल अनुमान कएल गेल अइछ ।
विद्युतीय मेसिनसँ मतदान भेलासँ निर्वाचनक परिणाम दू घण्टामे सार्वजनिक होबाक आयोग जनौलक अइछ । चितवनके भरतपुरमे जारी रास्वपाके महाधिवेशनअन्तर्गत पहिल चरणमे ९९ गोटे सदस्यके लेल मतदान सम्पन्न भेलाक बाद आब दोसर चरणके निर्वाचन प्रक्रिया आगु बढ़बाक आयोग जनौलक अइछ ।
पार्टीके प्रवक्ता मनिष झाके कहब अनुसार ९९ गोटे निर्वाचित केन्द्रीय सदस्यसभ दोसर चरणमे हुअबला निर्वाचनमार्फत पदाधिकारीसभ चयन करत । रास्वपाके पहिल राष्ट्रिय महाधिवेशन इएह अखार ७ गते चितवनमे सुरु भेल छल । (रासस)





