चितवन, १२ अखारः राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के प्रथम महाधिवेशनअन्तर्गत ३२ गोटे केन्द्रीय सदस्य प्राप्त कएल मत सार्वजनिक भेल अइछ ।
निर्वाचन आयोग अनुसार खुलादिस स्वर्णिम वाग्ले सर्वाधिक दू हजार ६५६ मत प्राप्त केलैन ।
खुलादिस सोविता गौतम दू हजार ६४१, शिशिर खनाल दू हजार ५३८, सागर ढकाल दू हजार ३७६, डा तोसिमा कार्की दू हजार ३०२, रञ्जु दर्शना दू हजार २९३, मनिष झा दू हजार २८१, हरि ढकाल दू हजार २६२, कविन्द्र बुर्लाकोटी दू हजार २२७, विपिन कुमार आचार्य दू हजार १६९, रमेश प्रसाईँ दू हजार १६६ आ निशा डाँगी दू हजार १३२ भोट प्राप्त केलक अइछ ।
तहिना, विराजभक्त श्रेष्ठ दू हजार १२३, इन्दिरा राना मगर दू हजार ९०, गणेश पराजुली दू हजार ८७, पुकार बम दू हजार ७०, जगदीश खरेल (ललितपुर) दू हजार ६५, शुलभ खरेल दू हजार ४३, यज्ञमणि न्यौपाने एक हजार ९०३, प्रमोद न्यौपाने एक हजार ८९२, सस्मित पोखरेल एक हजार ८६४ आ रिमा विश्वकर्मा एक हजार ८४५ मत प्राप्त कएने आयोग जनौलक अइछ ।
उम्मेदवार रघुराज पाण्डे एक हजार ८४०, राजीव खत्री एक हजार ७४५, समीक्षा बास्कोटा एक हजार ७३९, गणेश कार्की एक हजार ७३४, खगेन्द्र सुनार एक हजार ७३३, अशिम शाह एक हजार ७३०, हिमेश पन्त एक हजार ६५०, जगदीश खरेल (दोलखा) एक हजार ५५२, गीता चौधरी एक हजार ५३७ तथा लिमा अधिकारी आचार्य एक हजार ५३६ मत प्राप्त केलैन ।
तहिना, समावेशी समूहअन्तर्गत खस आर्यसँ १० गोटे, आदिवासी जनजातिसँ नौ गोटे, थारुसँ दू गोटे, मधेशीसँ पाँच गोटे, दलितसँ चाइर गोटे, मुस्लिमसँ दू गोटे तथा सातो प्रदेशसँ पाँच–पाँच गोटे केन्द्रीय सदस्य निर्वाचित भेल अइछ । (रासस)





