सेवानिवृत्त राष्ट्रसेवक कर्मचारीके भुक्तानी अखार २५ गतेधैर


काठमाण्डू, २० अखारः महालेखा नियन्त्रक कार्यालय सेवानिवृत्त भेनिहार राष्ट्रसेवक कर्मचारीके अखार २५ गतेधैर सुविधा बापतके नगद निकासा भुक्तानी करए लेल सब कोष तथा लेखा नियन्त्रक कार्यालयकेँ निर्देशन देल गेल अइछ ।

महालेखा नियन्त्रक कार्यालयक लेखा अधिकृत सुभाषचन्द्र अर्याल पत्राचार करैत सेवानिवृत्त कर्मचारीके सुविधामध्ये उपदान, सञ्चित छुट्टी आ इलाज बापतके नगद भुक्तानी करेबाक आग्रह कएल गेल बतौलैन ।

कार्यालयक इएह अखार १९ गतेक निर्णयअनुसार आर्थिक कार्यविधि तथा वित्तीय उत्तरदायित्व नियमावली, २०७७के नियम ३०के उपनियम (२) बमोजिम भुक्तानी निकासी करए लेल अख्तियारीके अवधि आओर कएल गेल लेखा अधिकृत अर्याल जानकारी देलैन अइछ। अइसँ पहिने कार्यालय अखार २० गतेधैर मात्रे भुक्तानी तथा निकासी समय भेलोपर किछ समयके बढ़ाएल गेल जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय