पोर्चुगलकेँ पराजित करैत स्पेन क्वाटरफाइनलमे


काठमाण्डू, २३ अखारः फिफा विश्वकपके राउन्ड अफ–१६ अन्तर्गत भेल रोमाञ्चक प्रतिस्पर्धामे स्पेन पोर्चुगलकेँ १–० गोलसँ पराजित करैत क्वाटरफाइनलमे स्थान सुरक्षित केलक अइछ ।

अमेरिकाके डलासमे भेल खेलक दोसर हाफके अतिरिक्त समयमे मिकेल मेरिनो निर्णायक गोल करैत स्पेनकेँ महत्वपूर्ण जित दिओलैन ।

जितसहित स्पेन विश्वकपके क्वाटरफाइनलमे प्रवेश कएने अइछ, तँ पोर्चुगलके उपाधि यात्रा राउन्ड अफ–१६ मे समाप्त भेल अइछ । स्पेन १६ सालके बाद विश्वकपके क्वाटरफाइनलमे प्रवेश केलक अइछ । अइसँ पहिने सन् २०१० मे विश्वकप च्याम्पियन बनल स्पेन ओइके बादसँ क्वाटरफाइनलमे प्रवेश नै कएने छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय