काठमाण्डू, २९ अखार : राहदानी विभाग आइसँ नयाँ राहदानी उत्पादन तथा व्यवस्थापन प्रणालीमार्फत राहदानी सेवा सञ्चालन केलक अइछ ।
परराष्ट्र मन्त्रालयअन्तर्गतके विभाग देशक इतिहासके सबसँ पैघ डेटा माइग्रेसनके सफलतापूर्वक सम्पन्न क राहदानी सेवा सञ्चालन केलक अइछ ।
करिब एक करोड़ नेपाली नागरिकके राहदानीसम्बन्धी विवरण सुरक्षित रूपमे नयाँ प्रणालीमे स्थानान्तरण कएल गेल विभाग जनौलक अइछ । एहन बृहत् सूचना प्रविधि प्रणालीके कार्यावंयन भेलाक बाद सुरूआतके दिनसभमे किछ प्राविधिक चुनौती, प्रणालीमे सुस्तता, राहदानी वितरणमे सामान्य देरी भेनाइ स्वाभाविक रहत ।
विभाग एहन सम्भावित अवस्थाके पूर्वतैयारी स्वरूप विभागक प्राविधिक टोली एवं कर्मचारी तथा प्रणाली विकास करैबला कम्पनीके विशेषज्ञ २४ओ घण्टा तैयारी अवस्थामे रहि प्रणालीके निरन्तर अनुगमन, परीक्षण तथा सुधारमे खइट रहल जनौलक अइछ । अइ किसिमक समस्यासभक शीघ्र तथा दीर्घकालीन समाधान करबाक लेल विभाग पूर्ण रूपमे सक्षम आ प्रतिबद्ध रहल विभाग विश्वास व्यक्त केलक अइछ ।
अइ नयाँ प्रणालीके सुरुआती चरणमे, राहदानी अत्यावश्यक भेल सेवाग्राहीसभके मात्रे आवेदन देबाक लेल अनुरोध कएल गेल अइछ । अइ सहयोगसँ नयाँ प्रणालीकेँ थप आ प्रभावकारी बनेबाक लेल महत्वपूर्ण योगदान होबाक बताओल गेल अइछ । तहिना, राहदानी सेवासम्बन्धी कोनो सूचना विभाग वा मन्त्रालयके आधिकारिक माध्यमसँ प्रकाशित सूचना आ समाचारकेँ मात्रे आधार बनेबाक लेल सम्पूर्ण सेवाग्राही अनुरोध कएल गेल अइछ । (रासस)





