काठमाण्डू, ३० अखारः सांसद एवम् राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) क सचेतक प्रकाशचन्द्र परियार पत्रकारिता लोकतन्त्रके रीढ़ भेल उल्लेख करैत पत्रकार आ सञ्चार गृहकेँ भयरहित वातावरणमे काज करबाक लेल सुरक्षाके प्रत्याभूति दिएबाक सरकारसँ माँग केलैन अइछ ।
प्रतिनिधिसभाक आजुक विशेष समयमे बाजैत सचेतक परियार अपन दल सबदिन लोकतन्त्र, विधिके शासन आ पूर्ण प्रेस स्वतन्त्रताके पक्षमे चट्टान जकाँ ठाढ कहलैन । ओ प्रेस स्वतन्त्रताके प्रतिरक्षाक लेल रास्वपा ठाढ रहलोपर प्रेस जिमेवार पत्रकारिताके भूमिका निवार्ह करबापर सेहो जोड़ देलैन । (रासस)





