मुख्य राजमार्गमे भूस्खलनः सड़क अवरुद्ध


काठमाण्डू, ४ साओन : लगातारके वर्षासहित देशक विभिन्न स्थानमे भूस्खलन आ बाइढ़क कारण देशक नौ प्रमुख राजमार्ग अवरुद्ध भेल अइछ । नेपाल प्रहरी अनुसार कोशी आ बागमती प्रदेशक विभिन्न सड़कखण्ड पूर्ण तथा आंशिक अवरूद्ध अइछ ।

कोशी प्रदेशक भोजपुर नगरपालिका–५ बोखिमस्थित मध्यपहाड़ी लोकमार्गमे बाइढ़क कारण एकतर्फी सवारी सञ्चालन भ रहल अइछ । इलाम नगरपालिका–९ राजदुवाली आ पाँचथरके याङवरक गाउँपालिका–१ खोबरे खोलास्थित मेची राजमार्ग भूस्खलनके कारण पूर्ण रूपमे अवरुद्ध अइछ ।

तहिना, खोटाङके दिक्तेल रुपाकोट मझुवागढी नगरपालिका–६ माटेखोला क्षेत्रमे मध्यपहाड़ी लोकमार्गके दिक्तेल–भोजपुर सड़कखण्ड सेहो भूस्खलनके कारण पूर्ण रूपमे बन्द रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।

बागमती प्रदेशमे सम्भावित बाइढ़क कारण बिपी राजमार्ग सञ्चालनमे रोक लगाएल गेल आ काठमाण्डू–हेटौँडा कान्ति लोकपथमे सम्भावित बाइढ़ तथा भूस्खलनके जोखिमके कारण दोसर सूचना नै भेलाधैर सवारी सञ्चालनमे रोक लगाएल गेल अइछ ।

सिन्धुपाल्चोकके भोटेकोशी गाउँपालिका–४ जुरीखोला आ कोदारीस्थित अरनिको राजमार्ग भूस्खलनके कारण पूर्ण रूपमे अवरुद्ध रहल नेपाल प्रहरी जनौलक अइछ ।

रसुवाके गोसाइँकुण्ड गाउँपालिका–६ बोकेझुण्डास्थित पासाङल्हामु सड़कखण्डमे एकतर्फी सवारी सञ्चालन भ रहल अइछ ।

चितवनके इच्छाकामना गाउँपालिका–३ फिस्लिङस्थित पृथ्वी राजमार्ग भूस्खलनके कारण पूर्ण रूपमे अवरुद्ध भेल नेपाल प्रहरी जनौलक अइछ । धादिङके बेनीघाट रोराङ गाउँपालिका–१० तिस्मारखानी क्षेत्रमे पृथ्वी लोकमार्ग एकतर्फी सञ्चालन भेलाक बादो जवाङखोलास्थित सड़क पूर्ण रूपमे बन्द अइछ ।

वर्षा भ रहलासँ भूस्खलन आ बाइढ़क जोखिम कायम रहल कहैत प्रहरी यात्रासँ पहिने सम्बन्धित निकायके अद्यावधिक सड़क अवस्थाके बारेमे जानकारी ल क मात्रे यात्रा करबाक लेल सर्वसाधारणकेँ आग्रह केलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय