कङ्गोमे इबोला प्रकोप तीव्र, ९ सओ ३० गोटेके मृत्यु


रासस/एपी
बुनिया, ४ साउन : कङ्गोमे फैलल इबोलाके प्रकोपसँ कम्तीमे ९ सओ ३० गोटेके मृत्यु भेल ओइ ठामक स्वास्थ्य मन्त्रालय जनौलक अइछ ।
मन्त्रालय अनुसार शैनदिनधैर देशभैर दू हजार ३ सओ ४४ गोटेमे सङ्क्रमण पुष्टि भेल अइछ । बितल २४ घण्टामे ३७ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, जे एके दिनमे भेल मृत्युके उच्च दर अइछ ।

पूर्वी कङ्गोमे बितल मइ १५ मे घोषणा कएल गेल ई इबोला प्रकोप अखनधैरके तीव्रगतिमे फैलैबला प्रकोप भेल अधिकारी बतौलक अइछ । अइ बेर फैलल ‘बुन्डिबुग्यो’ प्रजातिके इबोला भाइरस अन्य प्रकारके तुलनामे कम सङ्क्रमित भेलाक बादो अइ विरुद्ध अखनधैर स्वीकृत खोप या इलाजक विधि उपलब्ध नै अइछ ।

सबसँ बेसी प्रभावित इतुरी प्रान्तमे सुरक्षा चुनौतीके कारण रोग नियन्त्रण तथा इलाजक प्रयास प्रभावित भ रहल अइछ । स्वास्थ्य मन्त्रालय अनुसार प्रकोप घोषणा भेलाक बाद स्वास्थ्य केन्द्र आ इलाज टोलीपर कम्तीमे १२ टा आक्रमण भेल अइछ ।

अइ बीच, तलब नै भेटल विरोधमे किछ स्वास्थ्यकर्मी काज छोड़लक अइछ । भाइरस सङ्क्रमणके कारण कम्तीमे ३६ गोटे स्वास्थ्यकर्मीके मृत्यु भ चुकल मन्त्रालय जनौलक अइछ ।

मन्त्रालय अनुसार हाल ७ सओ २४ गोटे सङ्क्रमित आइसोलेसन तथा अस्पतालमे भर्ना अइछ । प्रभावित क्षेत्रमे रोग नियन्त्रण, सङ्क्रमितके इलाज आ निगरानीके प्रयासकेँ तीव्र बनाएल गेल जनौलक अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय