ग्यास अभाव आ बढ़ैत महँगीप्रति अध्यक्ष दाहालद्वारा सरकारके ध्यानाकर्षण


काठमाण्डू, २७ साओन : खाना बनाबैबला एलपी ग्यासके आपूर्तिमे उत्पन्न असहजताके कारण उपभोक्ताकेँ समस्या भेल कहैत राष्ट्रिय सभाक अध्यक्ष नारायण प्रसाद दाहाल सरकारके ध्यानाकर्षण करौलैन अइछ ।

राष्ट्रिय सभाके आजुक बैसारमे ग्यास आपूर्ति तथा बिक्री वितरणमे उत्पन्न समस्या आ बढ़ैत दामके विषयमे सदस्यसभ आवाज उठौने उल्लेख करैत अध्यक्ष दाहाल उपभोक्ताकेँ सहज रूपमे ग्यास उपलब्ध होबाक व्यवस्था मिलेबाक लेल सरकारके ध्यानाकर्षण करौलैन ।

“आइ सभाके शून्य तथा विशेष समयमे माननीयसभ सेहो ग्यास आपूर्तिमे असहजता तथा महँगीके कारण भेल समस्याके विषयमे आवाज उठौने छैथ,” ओ कहलैन, “तइ, सहज रूपमे ग्यास आपूर्ति तथा बिक्री वितरण करबाक आवश्यक व्यवस्था मिलेबाक लेल सरकारक ध्यानाकर्षण कराबैत छी ।” (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय