रासस/क्युएनए
बोगोटा, २८ साओन : पश्चिमी कोलम्बियामे बितल सोमदिन आएल शक्तिशाली भूकम्पके कारण २ सओ ६५ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ करिब ५ सओ गोटे बेपत्ता अइछ । लगातार आइब रहल परकम्पके कारण उद्धार तथा खोजी काजमे समस्या भ रहल सुरक्षाकर्मी आ उद्धारकर्मी बतौलैक अइछ ।
कोलम्बियाके राष्ट्रपति अबेलार्डो डे ला एस्प्रियेला सम्बोधन करैत भूकम्पसँ क्षतिग्रस्त अस्पताल, विद्यालय, घर तथा अन्य पूर्वाधार पुनर्निर्माणक लेल आपतकालीन कोष स्थापना करबाक बतौलैन । विपतसँ भेल क्षति सम्बोधन करबाक लेल आर्थिक आपतकाल सेहो ओ घोषणा कएने छैथ ।
राष्ट्रपति एस्प्रियेलाके कहब अनुसार भूकम्पसँ प्रभावित परिवारके सङ्ख्या २५ हजार ८ सओसँ बेसी रहल बताओल गेल अइछ । आधिकारिक विवरणअनुसार तीन हजार ७ सओ ७० गोटे घायल भेल अइछ, तँ नौ हजार ५ सओ ५० सँ बेसी घरमे क्षति भेल अइछ ।
कोलम्बियाके प्रमुख कफी उत्पादन क्षेत्र पेरेरा सहरमे ८३ गोटे आ देशक तेसर पैघ सहर कालीमे ७४ गोटेके मृत्यु पुष्टि कएल गेल अइछ । अन्य प्रभावित क्षेत्रमे सेहो पैघ जानमालके क्षति भेल अधिकारीसभ बतौलैन अइछ ।
कोलम्बियाके भूगर्भीय सर्वेक्षण अनुसार मुख्य भूकम्पके बाद अखनधैर एक सओ ३० टा परकम्प रेकर्ड भेल अइछ ।
अगस्ट १० मे पश्चिमी कोलम्बियामे ७.४ म्याग्निच्युडके भूकम्प गेल छल । भूकम्पसँ काली, पेरेरा आ मनिजालेसलगायत सहरक भवन, घर तथा स्वास्थ्य संस्थामे पैघ क्षति भेल छल ।
सरकार प्रभावित परिवारकेँ तत्काल राहत उपलब्ध करेबाक सङे ध्वस्त पूर्वाधार पुनर्निर्माणकेँ प्राथमिकता देबाक जनौलक अइछ । अइ बीच बेपत्ता लोकसभक खोजी, घायल व्यक्तिसभक इलाज आ विस्थापित परिवारके व्यवस्थापनकेँ उद्धार तथा राहत काजके मुख्य प्राथमिकता बनाएल गेल अइछ ।





