प्रतिनिधि सभाः उद्धार कार्य प्रभावकारी बनाबए सांसदके माँग


काठमाण्डू, ६ आसिनः राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी (राप्रपा) क संसदीय दलके नेता ज्ञानबहादुर शाही रसुवाके भोटेकोशी बाइढ़मे नागरिकके उद्धार कार्य प्रभावकारी बनेबाक लेल सरकारसँ माँग केलैन अइछ ।

प्रतिनिधि सभाक विशेष समयमे बाजैत सांसद शाही सरकार शुरूङमे फसल व्यक्तिके समयेमे उद्धार कएल गेल रहित तँ जीविते उद्धार होबाक अवस्था छल । मुदा, उद्धारमे देरी भेलासँ शव मात्रे निकलल ओ सिकायत केलैन ।

राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी(रास्वपा)क सांसद यज्ञमणी न्यौपाने अदालत आ न्यायलयमे सेहो आब विधिमे चलए पड़त कहैत न्यायपालिकाके पुनःसंरचना आवश्यक भेल बतौलैन। समय सापेक्ष न्यायालय बनेबापर जोड़ दैत ओ न्यायाधीशके सम्पत्ति खोजबिन करबाक सेहो आग्रह केलैन ।

नेपाली कांग्रेसक मदनकृष्ण श्रेष्ठ हवाई सुरक्षाके विषयमे कोनो सम्झौता नै कएल जेबाक चाही से कहैत नेपाल वायु सेवा निगमकेँ व्यवस्थीत बनेबाक लेल सरकारक ध्यानाकर्षण करेलैथ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय