‘त्रिपुरेश्वर घटनाकेँ सामान्य घटनाके रूपमे नै देखल जाए’


काठमाण्डू, ६ आसिनः सांसदसभ त्रिपुरेश्वर चौकमे दू महिनाके अन्तरालमे दू गोटे चालक आत्मदाह कएने विषयपर सरकारक ध्यानाकर्षण कराैने अइछ ।

प्रतिनिधि सभाक आजुक बैसारमे आइ आकस्मिक समयमे सांसदसभ बेर–बेर सवारीचालक आ ट्राफिक प्रहरी बीचके विवादके कारण चालकसभ आत्मदाहके अवस्थामे गेल तकर पाछु कि कारण रहल से ताकए पड़बाक बताैलैन अइछ ।

सांसद युवराज दुलाल काठमाण्डूके त्रिपुरेश्वरचौकमे सवारीचालक आ ट्राफिक प्रहरी बीचके विवादके कारणसँ सोमदिन सवारीचालक अर्जुन दोङकेँ मृत्युवरण करएबला अवस्था आएब बहुत दुखदः रहल बतौलैन ।

“त्रिपुरेश्वर चौकमे दू महिनाके अन्तरालमे दुबेर घटना भेलासँ ट्राफिक प्रहरीसङ विवाद भेलासँ आत्मदाह जकाँ गम्भीर प्रकृतिके घटना किए भेल । तेहन घटना रोकबाक लेल किए सरकारी निकाय पर्याप्त सावधानी नै अपनेलक उक्त विषयमे सरकारक ध्यानाकर्षण कराएब।”

सांसद क्रान्तिशिखा धिताल त्रिपुरेश्वरचोकमे भेल दू घटना प्रहरीके काम करबाक शैली आ चालकके मनोदशाके विषयमे गम्भीर होबाक जरुरी रहल बतौलैन । ओ ट्राफिक प्रहरी सेहो यात्री आ चालकसङे कएल जाएबला व्यवहार आ शैली बदलए पड़बाक बतौलैन ।

सांसद आशिका तामाङ ट्राफिक प्रहरी अनिवार्य शरीरमे क्यामेरा जड़ान करैत आवश्यक कारबाही आगू बढ़ेबाक चाही से बतौलैन ।

सांसद वलावती शर्मा त्रिपुरेश्वर चौकमे २५ वर्षीय युवा बसमे आइग लगाए क मृत्युवरण करबाक अवस्था किए आएल ताहिपर सरकारक गम्भीर ध्यानाकर्षण करेलैथ ।

सांसद आरेन राई ‘जेनजी’ आन्दोलनके बाद हरेक युवामे नैराश्यता छाएल विषयमे सरकारक गम्भीर ध्यानाकर्षण करेलैथ ।

सांसद कुलभक्त शाक्य त्रिपुरेश्वरमे भेल घटनाकेँ सामान्य घटनाके रूपमे नै देइख क गम्भीर घटनाके रूपमे लेबाक चाही कहैत तत्काले गृहमन्त्रीके जवाफके माँग केलैन ।

सांसद आशिष गजुरेल सड़क प्रयोगकर्ता आ चालकके मनोवैज्ञानिक असरके विषयमे विदेशमे पैघ लगानी भेलोपर नेपालमे तेहन नै भेलासँ विभिन्न किसिमके समस्या आबैत रहल बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय