जलवायु सङ्कटके जोखिम नेपालक विपदसँ पुष्टि भेल छै: महासचिव गुटेरेस


काठमाण्डू, ७ आसिन : संयुक्त राष्ट्र संघक महासचिव एन्टोनियो गुटेरेस नेपालक विपदसँ जलवायु सङ्कटके जोखिम पुष्टि भेल कहैत विश्व समुदायके ध्यानाकर्षण करौलैन अइछ ।

राष्ट्र संघके ८१म महासभाअन्तर्गत साधारण सत्रके उद्घाटन सत्रकेँ सम्बोधन करबाक क्रममे महासचिव गुटेरेस जलवायु परिवर्तनके कारण तापक्रम वृद्धि भ नेपालसहित हिमाली देश बेसी प्रभावित भेल बतौलैन । तापक्रम वृद्धि भ हिमनदी पिघलबाक क्रम बढ़ैत गेल, तँ विश्वके आओर पैङ समस्या भोगए पड़त से हुनक कहब छलैन ।

तीन साल पहिने नेपाल भ्रमणके क्रममे हिमनदी तीव्र गतिमे पिघैल रहल कहैत महासचिव गुटेरेस विश्व समुदायकेँ चेतावनी देने छलैन । नेपालक भोटेकोशी बाइढ़जका विपद जलवायुजन्य समस्याकेँ वास्तविकतामे परिणत कएने ओ स्पष्ट केलैन ।

जलवायु परिवर्तनसँ उत्पन्न जोखिम आब भविष्यके विषय नै भ वर्तमानके वास्तविकता बनल स्पष्ट करैत महासचिव गुटेरेस विश्वव्यापी कार्बन उत्सर्जनमे कम योगदान करैबला देशसभ एकर बेसी क्षति भोइग रहल उल्लेख केलैन ।

जलवायु न्यायके आवश्यकता रहल कहैत ओ प्रदूषण करैबलासभकेँ ओकर क्षतिपूर्ति चुक्ता करए पड़त आ जलवायुजन्य विपदके कारण जोखिममे रहल देशके क्षतिपूर्तिस्वरुप न्याय तथा आवश्यक वित्तीय सहयोग देबए पड़त से धारणा व्यक्त केलैन ।

“जलवायु परिवर्तनक कारण हुअबला हानि तथा क्षति सम्बोधन करबाक लेल स्थापना कएल गेल कोषमे पर्याप्त रकम नै छै । विकसित देशसभद्वारा जलवायु वित्तसम्बन्धी कएल गेल प्रतिबद्धता पूरा करबाक लेल आग्रह करैत छी”, गुटेरेस कहलैन, “जलवायु अनुकूलन वित्तकेँ तीन गुणा वृद्धि करए आ हानि तथा क्षति कोषमे थप स्रोत परिचालन करबाक लेल आह्वान करैत छी ।” (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय