बाइढ़सँ बचाबाक लेल पूर्वसतर्कता अपनेबाक आग्रह


महोत्तरी, ७ आसिनः जिला प्रशासन कार्यालय महोत्तरी पूर्वसचेतताक लेल सार्वजनिक अपिल केलक अइछ ।

मौसम विज्ञान विभागके मौसम पूर्वानुमान महाशाखा, महोत्तरी इएह आसिन ९ गते शुक्रदिनसँ तीन दिन मधेश देशक विभिन्न ठाम हावा बिहाइरसङे मेघगर्जन सहित ठण्का आ भारी वर्षा होबाक अनुमान कएलासँ प्रशासन सर्वसाधारणकेँ सुरक्षित रहबाक सार्वजनिक अपिल केलक अइछ ।

पूर्वसचेतनाक लेल स्थानीय तह, रेडक्रस लगायतके सामाजिक संघ संस्था, प्रहरी आ आमनागरिक समाज सचेत रहबाक आ क्षतिसँ बचेबाक लेल ई अपिल जारी कएल गेल प्रमुख जिला अधिकारी इन्द्रदेव यादव बतौलैन ।

“जिलामे विपदके समय जनधनके क्षति भेल से विगत अनुभव छै, ताहिसँ शिक्षा लैत आब सचेत रहब आवश्यक छै”, प्रजिअ यादव सञ्चारकर्मीसँ बातचितमे कहलैन । जिलामे रातु, मडहा, बाँके, जङ्घा, बिग्ही आ कुटमेश्वरी लगायतके नदीके बाइढ़सँ बस्ती डुबान भेल करैत छै । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय