विपदसँ चाइर दिनमे १५ गोटेके मृत्यु


काठमाण्डू, ११ आसिन : देशक विभिन्न स्थानपर बाइढ़, भूस्खलनलगायत विपदके कारण चाइर दिनमे १५ गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।

विपदके कारण बागमती प्रदेशमे तीन, लुम्बिनीमे चाइर, गण्डकीमे पाँच, कर्णालीमे दू आ मधेश प्रदेशमे एक गोटेके मृत्यु भेल केन्द्रीय प्रहरी प्रवक्ता अविनारायण काफ्ले जानकारी देलैन । विपदके घटनामे चाइर गोटे घायल भेल अइछ । घायल भेल व्यक्तिसभक स्थानीय अस्पतालमे इलाज भ रहल अइछ ।

बाइढ़, भूस्खलन तथा डुबानमे पड़ल एक हजार २ सओ ८४ गोटेके उद्धार कएल गेल अइछ । अन्य सुरक्षा निकाय आ स्थानीयके समवंयमे बाइढ़/भूस्खलनके जोखिममे रहल घर परिवारकेँ सुरक्षित स्थानमे राखबाक, भूस्खलनसँ दबाएल धनमाल निकाइल क सुरक्षित करबाक काज भ रहल प्रवक्ता काफ्ले बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय