प्रहरीकेँ सक्षम बनेबाक लेल सरकार प्रतिबद्ध छै: प्रधानमन्त्री शाह


काठमाण्डू, ३० आसिनः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह नेपाल प्रहरीकेँ सम्भावित विपत्तके सामना करबाक लेल आओरो सक्षम बनेबामे सरकार प्रतिबद्ध रहल बतौलैन ।

एकहत्तर प्रहरी दिवसके अवसरमे आइ शुभकामना सन्देश दैत प्रधानमन्त्री शाह सदिखन अग्रपङ्क्तिमे खइट जनताक सेवा केनिहार प्रहरीकेँ सक्षम बनेबाक लेल नीतिगत मार्गदर्शन, कानूनी सहजता, आधुनिक प्रशिक्षण तथा पूर्वाधार विकासकेँ सरकार प्राथमिकता देने उल्लेख केलैन ।

ओ प्रहरी कर्मचारी, आश्रित परिवार तथा आम जनताक स्वास्थ्य सेवाकेँ ध्यानमे राइख नेपाल प्रहरी अस्पतालकेँ मेडिकल कलेजक रूपमे विकास करबाक योजना सरकार बनौने जानकारी सेहो देलैन ।
प्रधानमन्त्री शाह कर्तव्य पालनक क्रममे हालक भोटेकोशी–त्रिशूली विपत्ति तथा विभिन्न कालखण्डमे अमरत्व प्राप्त कएल प्रहरीसभप्रति भावपूर्ण श्रद्धाञ्जलि अर्पण केलैन ।

ओ कर्तव्य निर्वाहक क्रममे घायल तथा अशक्त भेल प्रहरीसभक शीघ्र स्वास्थ्यलाभक कामना सेहो केलैन । “हमसभ ‘विपत्तिमे सारथी, सङ्कटमे छहारी, प्रविधियुक्त नेपाल प्रहरी’ नाराक सङ ७१म प्रहरी दिवस मना रहल छी । कार्यक्रममे विमोचन भेनिहार ‘प्रहरी मिरर–२०८३’ नेपाल प्रहरीक इतिहास तथा वर्तमानकेँ भविष्यक पीढ़ीसँ जोड़त तथा सङ्गठनक स्मरणकेँ ताजा राखत, एहन अपेक्षा छै”, शुभकामना सन्देशमे प्रधानमन्त्री शाह कहलैन ।

पछिला समय बढ़ैत गेल वित्तीय तथा साइबर अपराधक रोकथाम तथा नियन्त्रणमे सरकार गम्भीर रहल प्रधानमन्त्रीक कहब छल । अइ लेल नेपाल प्रहरीक सहकार्यमे राष्ट्र बैंक, इन्टरनेट तथा टेलिकम सेवा प्रदायक एवम् डिजिटल वालेटकेँ एकठाम आइन क नागरिकके शिकायतकेँ आओरो प्रभावकारी ढङ्गसँ सम्बोधन करबाक व्यवस्था भ रहल उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री कृत्रिम बुद्धिमत्ता (एआई), ‘एरियल सेक्युरिटी एण्ड सपोर्ट युनिट’ तथा ‘इन्टिग्रेटेड एन्टिस्काम सेन्टर’ स्थापना करबाक तैयारी भ रहल सेहो बतौलैन ।

प्रधानमन्त्री शाह नेपाल प्रहरीकेँ विपत्ति व्यवस्थापन, प्रविधि विस्तार तथा पूर्वाधार निर्माणमे सहयोग केनिहार मित्रराष्ट्र तथा अन्तर्राष्ट्रीय विकास साझेदारसभकेँ धन्यवाद सेहो देलैन ।
“नेपालक आन्तरिक शान्ति, सुरक्षा तथा सुव्यवस्था कायम रखबाक लेल नेपाल प्रहरी निरन्तर खटल अइछ । राष्ट्रसेवकके वास्तविक परीक्षा सङ्कटके समय होइ छै । सङ्कटके घड़ीमे हमरासभक धैर्य, सही निर्णय तथा कुशल कार्यसम्पादनसँ कोनो प्रकारक सङ्कट टारबामे मदति भेटैत छै”, प्रधानमन्त्रीद्वारा देल गेल शुभकामना सन्देशमे कहल गेल अइछ ।

कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री शाह पठौने शुभकामना सन्देश प्रहरी महानिरीक्षक दानबहादुर कार्की पइढ़ क सुनौलैन। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय