काठमाण्डू, २९ आसिन : शरद् ऋतुमे ३१ हिमाल आरोहणक लेल एक हजार ९८ गोटे अनुमति लेलैन अइछ । पर्यटन विभाग अनुसार सन् २०२६ के शरद् ऋतुमे नेपालक विभिन्न हिमाल आरोहणक लेल एक सओ ३० टोली अनुमति लेलक अइछ ।
विभागक सूचना अधिकारी सुरज घिमिरे ४१ हिमाल आरोहणक लेल ८ सओ ३३ पुरुष आ २ सओ ६५ महिला आरोहण अनुमति लेने जानकारी देलैन । अनुमति प्रदान कएनेबापत विभाग आरोहीसँ २८ करोड़ २४ लाख १४ हजार ५६ रोयल्टी सङ्कलन केलक अइछ ।
आरोहण अनुमति प्रदान कएल गेल हिमालमध्ये सबसँ बेसी मनास्लु (आठ हजार एक सओ ६३ मिटर) अइछ । मनास्लु आरोहणक लेल ४३ टोलीके ५ सओ गोटे आरोही अनुमति लेने अइछ । ओइमे ३ सओ ७३ पुरुष आ एक सओ २७ महिला अइछ । आरोहीसँ विभाग २२ करोड़ ५८ लाख ५७ हजार एक सओ ८९ रोयल्टी सङ्कलन केलक अइछ ।
विभाग अनुसार धौलागिरि–१ आरोहणक लेल छ टोलीके ३७ गोटे अनुमति लेने अइछ । आरोहीसँ विभाग ८४ लाख ७३ हजार ६ सओ ५० टका रोयल्टी सङ्कलन केलक अइछ ।
तहिना, मकालु हिमाल आरोहणक लेल एक टोलीक तीन गोटे अनुमति लेने अइछ । ओकरासभसँ विभाग छ लाख ८८ हजार ५० टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ ।
तहिना, हिम्लुङ हिमालक लेल नौ टोलीके ९४ गोटे आरोही अनुमति लेने अइछ । ओकरासभसँ विभाग ५७ लाख ८८ हजार ९ सओ ६० टका रोयल्टी सङ्कलन केलक अइछ ।
तहिना, आमादब्लम हिमाल आरोहणक लेल १६ टोलीके एक सओ ७८ गोटे आरोहण अनुमति लेने अइछ । ओकरासभसँ विभाग दू करोड़ ७३ लाख १५ हजार ५ सओ टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ ।
तहिना, पुथा हिउँचुली, डाङ्गा हिउँचुली, बरुणत्से हिमाल, मकालु, गङ्गापूर्णा पश्चिम (लाङचेनेल), थोरोङ पिक, नोर्बु खाङ, अन्नपूर्ण–४, चाम्लाङ, लमजुङ हिमाल, पुमोरी, सारिबुङ, थापा पिक (धाम्पुस), पोखर खाङ, अर्दाङ, पेरीलगायत हिमालक लेल अनुमति प्रदान कएल गेल विभाग जनौलक अइछ ।
उक्त हिमाल आरोहण करबाक लेल ७१ देशक एक हजार ९८ आरोही आरोहण अनुमति लेने अइछ । आरोहण अनुमति लेबैबलामे सबसँ बेसी चीनके एक सओ ३२ गोटे अइछ । ओइ बाहेक रसियाके ९६, फ्रान्सके ९३, अमेरिकाके ९४, बेलायतके ७४, पोल्यान्डके २९, नेपालक २६, स्विजरल्यान्डके २८, स्पेनके २१, भारतके २२, इटलीके २८ आ जापानके २८ गोटे आरोहण अनुमति लेने अइछ ।
उक्त हिमाल आरोहणक लेल जारी आरोहण अनुमतिसँ विभाग १८ लाख ५४ हजार ९ सओ ५९ अमेरिकी डलर अर्थात् २८ करोड़ २४ लाख १४ हजार ५६ नेपाली रोयल्टी सङ्कलन केलक अइछ । (रासस)





