महोत्तरी, २७ कातिकः कातिक शुक्ल चतुर्थी अर्थात् आइसँ छैठ शुरु भ रहल छैठके अवसरमे मिथिलाक गामगाम आ बजारमे दौड़धुप बढ़ल अइछ । चाइर दिनधैर मनाएल जाएबला छैठमे किछु दिन पहिनेसँ तैयारी भ रहल अइछ ।
आस्था, निष्ठा आ भक्तिके पावैन मानल गेल छैठके तैयारीस्वरूप मिथिलाक घरघरमे छैठके गीत गुइञ्ज रहल छै । सूर्यदेव आ षष्ठीदेवी (छैठ माता)के महिमायुक्त भक्तिगीतसँ मिथिलाके वातावरण छैठमय बनल अइछ ।
पावैनके तैयारीक लेल स्थानीयवासी नदी कात, पोखैर तथा धार्मिक महत्वके जलाशयमे सफाइ तथा घाट निर्माणमे लागल छैथ। खास क युवासभ छैठघाट निर्माण तथा सजावटमे सक्रिय रहैत छैथ । बाटघाट, घर आ सार्वजनिक स्थलमे बाउल जड़ान कएल गेल अइछ । धनीक, गरिब सब अपन क्षमताअनुसार श्रद्धा आ निष्ठासँ पावैन मनेबाक तैयारी क रहल अइछ ।
छैठके तैयारीसङे स्थानीयवासीके दैनिकी सेहो पावैन केन्द्रित बनल अइछ । भेटघाट आ बातचितसँ घरायसी कामकाजधैर छैठ तैयारीमे केन्द्रित हुअ लागल बर्दिबास–१३ बिजलपुरास्थित जनता माध्यमिक विद्यालयके प्रधानाध्यापक हरिदेव महतो बतौलैन ।
हटिया बजारमे छैठके पूजासामग्री किनबाक लेल भीड़ लागल रहैत अइछ । केराक घौर, आदी, हरदी लगायत कृषि उपज सामाग्रसभ बजारमे अनबाके तैयारी क रहल अइछ । एहन सामग्रीके बिक्री शैनदिन मुख्य रूपमे होबाक जलेश्वर उद्योग वाणिज्य संघके अध्यक्ष शिवचन्द्र चौधरी बतौलैन ।
तहिना छैठमे बाँससँ बनल ढकिया, डलिया, कोनियाँ, सुप आ पङ्खाके बिक्री सेहो साप्ताहिक हटिया बजारमे बढ़ल अइछ । दीप, ढकनी, कोसिया सहित घैला चङेरा सेहो बिकाए लागल अइछ । (रासस) File Image





