सप्तरीमे २०१ गोटे एचआइभी सङ्क्रमित


सप्तरी, १२ अगहनः सप्तरीमे २०१ गोटे एचआइभी सङ्क्रमित पाएल गेल अइछ ।

जिलाके राजविराजस्थित रहल गजेन्द्र नारायण सिंह अस्पतालक तथ्याङ्कअनुसार सङ्क्रमित मध्ये १०६ पुरूष, ८४ महिला आ १० बालबालिका अइछ । गजेन्द्र नारायण सिंह अस्पतालमे रहल राष्ट्रिय एड्स तथा यौनरोग नियन्त्रण केन्द्रमे हुनकासभहक नियमित रुपमे इलाज भ रहल केन्द्रके वरिष्ठ स्टाफ नर्स सुनिता यादव जानकारी देलैन ।

ओ कहलैन, “अस्पतालके सम्पर्कमे इलाज करेनिहार मध्ये सबसँ बेसी २०सँ ५० सालके उमेरके व्यक्तिसभ छैथ । वि.सं. २०८१ मे १८९ गोटे तथा २०८२ सालमे १९५ एचआइभीसँ सङ्क्रमित छल । पछिला तीन सालसँ प्रत्येक साल एचआइभी सङ्क्रमितके संख्या बढ़ल अइछ।”

नेपाल सरकार स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालयअन्तर्गत गजेन्द्र नारायण सिंह अस्पतालके उपचार केन्द्रमे १० धीयापूताक सेहो नियमित रुपमे इलाज भ रहल अइछ ।

“कतेको व्यक्ति सम्पर्कमे नै आबए चाहैत छैथ, ताहिसँ एचआइभी सङ्क्रमितके सङ्ख्या बेसी रहल अनुमान कएने छी”, ओ कहलैन ।
एचआइभी सङ्क्रमितसभ नियमित अस्पताल नै अएलापर घरेमे दवाइ उपलब्ध कराएल जा रहल अइछ । वि.सं. २०५२ सालसँ एचआइभी सङ्क्रमितके इलाज सेवा आरम्भ कएल गेल अस्पताल जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय