काठमाण्डू, २७ चैत : ऊर्जा, जलस्रोेत तथा सिँचाइमन्त्री दीपक खड्का आब लोडसेडिङ नै होबाक बताैलैन अइछ ।
रसुवामे निर्माण सम्पन्न भेल साञ्जेनखोला जलविद्युत् आयोजना (७८ मेगावाट)के आइ उद्घाटन करैत मन्त्री खड्का आब नागरिक लोडसेडिङके समस्या नै भोगए पड़त बतौलैन । ओ सरकार नागरिकके घरघरमे आ उद्योगमे २४ सो घण्टा बिजुली देबाक लेल प्रतिबद्ध रहल कहैत लोडसेडिङ हएतै से हल्लाके पाछु नै जाए लेल आग्रह कएलैन । आर्थिक सुशासन कायम क लोडसेडिङ नै होबाक लेल जलविद्युत् क्षेत्रके विकाशमे करए लेल विद्युत् प्राधिकरणकेँ मन्त्री खड्का निर्देशन देलैन ।
प्राधिकरणके नेतृत्वमे एसियेके अब्बल इञ्जिनियर हितेन्द्रदेव शाक्य आएलासँ अगिला दिनमे विद्युत् प्राधिकरण आओर उचाइमे जेबाक मन्त्री खड्का विश्वास व्यक्त कएलैन । ओ सरकार अगिला १० वर्षमे २८ हजार ५०० मेगावाट विद्युत् उत्पादन करबाक लक्ष्य भेलासँ ओइ लक्ष्यकेँ पूरा करबाक लेल निजी क्षेत्र आ दातृ निकायकेँ सङसङे सहयात्री बनेबाक बतौलैन ।
नेपालमे जलविद्युत् क्षेत्रेसँ समृद्ध होबाक प्रचुर सम्भावना भेलासँ प्राधिकरणमे आओर सुधार क लक्ष्य प्राप्तिके लेल आगू बढल मन्त्री खड्का उल्लेख कएलैन । अगिला दिनमे जलाशययुक्त आयोजनाकेँ प्राथमिकता द आगू बढ़ाबैत भारत, बङ्गलादेशसहितके देशमे विद्युत् निर्यात करबाक हिसाबेँ सरकार काज क रहल ओ स्पष्ट कएलैन ।
मन्त्री खड्का जलविद्युत् क्षेत्र सरकारक मुख्य प्राथमिकतामे रहल उत्पादनसङे निर्यातमे सेहो काज क रहल बतौलैन । ओ भारतसङ १० हजार मेगावाट विद्युत् निर्यात करबाक सहमति भेल आ बङ्गलादेशमे ४० मेगावाट विद्युत् निर्यात क चुकल अवस्थामे उत्पादन भेल विद्युत् बेर नै जेबाक कहैत निर्धक्क भ लगानी करबाक लेल निजी क्षेत्र आ दातृ निकायकेँ आग्रह कएलैन । जलविद्युत् आयोजना निर्माणसङे दू देशबीचके सम्बन्ध विस्तार, आर्थिक समृद्धि आ रोजगारी सिर्जना भेल हुनकर कहब छलैन ।
कार्यक्रममे नेपाल विद्युत् प्राधिकरणक कार्यकारी निर्देशक हितेन्द्रदेव शाक्य लोडसेडिङ हटाबैमे प्राधिकरण सक्षम रहल कहैत हल्लाके पाछु नै जाए लेल आग्रह कएलैन । ओ ऊर्जा मन्त्रालयसँ प्राधिकरणकेँ पूर्ण सहयोग रहल वर्तमान समस्याकेँ चिरैत प्राधिकरणकेँ आओर उचाइमे पहुँचेबाके प्रतिबद्धता व्यक्त कएलैन ।
नेपालके लेल चिनियाँ राजदूतावासके कार्यवाहक राजदूत वाङ सिन नेपाल जलविद्युत् क्षेत्रमे भेल प्रगति बहुत भरोसगर रहल उल्लेख करैत एहि क्षेत्रमे चीनके निरन्तर सहयोग रहबाक बतौलैन ।
‘चाइना हारबर इञ्जिनियरिङ कम्पनी’ आ ‘सालासुङ्गी पावर कम्पनी लिमिटेड’के संयुक्त लगानीमे निर्माण कएल गेल ओइ जलविद्युत् आयोजना आइसँ औपचारिक रुपमे राष्ट्रिय प्रसारण लाइनमे जोरल गेल अइछ । ओइ जलविद्युत् केन्द्र चीनके सिनो हाइड्रो ब्यूरो–११ कम्पनी निर्माण केलक अइछ ।
रसुवाके आमाछोदिङ्मो गाउँपालिका–५ मे कूल २२ अरब टका लगानीमे निर्माण कएल गेल ओइ जलविद्युत आयोजना सन् २०१९ सँ निर्माण शुरू कएल गेल छल ।रासस






