वीरगञ्ज (पर्सा), ३१ चैतः हनुमान जयन्तीक अवसरमे रैवदिन निकालल गेल शोभायात्राक क्रममे उत्पन्न भेल परिस्थितिक बाद आइ भेल राजनीतिक दलसभक प्रतिनिधिसभक सर्वदलीय बैसार शान्ति–सुरक्षा आ अमन–चयनमे बाधा पहुँचाबैबला गतिविधिसभसँ परहेज करबाक आ सामाजिक सद्भाव कायम रखबाक लेल सम्बन्धितसभ पक्षसँ आग्रह कएलक अइछ।
बैसार स्थानीय संघ–संस्था आ समुदायकेँ ¥याली, बन्द सहितक कार्यक्रमसभ नै करेबाक अपील सेहो कएलक अइछ । पर्साक प्रमुख जिला अधिकारी गणेश अर्यालक संयोजकत्वमे भेल एहि सर्वदलीय बैसारमे सामाजिक सद्भाव बनौने रखबाक लेल सभक सहयोग माँगल गेल छल।
“बहुजातीय, बहुभाषिक, बहुधार्मिक आ बहुसांस्कृतिक विशेषतासभसँ भरल हमर राष्ट्रक गौरवक अंगीकृत करैतसभ धर्म आ सम्प्रदायक सम्बन्धित संघ–संस्थासभकेँ विविधतामे एकता, सामाजिक–सांस्कृतिक ऐक्यबद्धता, सहिष्णुता आ सद्भावकेँ संरक्षण आ प्रवर्द्धन करैत समतामूलक समाज निर्माण दिशामे आगाँ बढ़ेबाक राष्ट्रक मर्म अनुसार होएबाक चाही।” संयोजक अर्याल कहलैन।
बैसारमे घायल भेल सुरक्षाकर्मी, सञ्चारकर्मी आ आम नागरिकसभक शीघ्र स्वास्थ्यलाभक कामना करैत, हुनकर इलाज राज्यद्वारा कएल जाए, एहन निर्णय सेहो कएल गेल।
नेपाली कांग्रेस पर्साक सभापति जर्नादनसिंह क्षेत्री सामाजिक सद्भाव बना शान्ति कायम करबाक आग्रह कएलैन।





